महाराष्ट्रमे राजनीतिक दलक नेता प्रचारमे व्यस्त छथि। महा विकास अघाड़ी आ महायुति दुनू अपन-अपन जीतक दावा कऽ रहल अछि। एम्हर कांग्रेस नेता राहुल गांधी सोमदिन एकटा पैघ बयान देलनि अछि। राहुल गांधी कहलनि जे २० नवम्बरक महाराष्ट्र विधानसभा चुनावमे मुद्रास्फीति, गरीबक लेल न्याय, बेरोजगारी, महिला आ किसानक समस्या प्रमुख मुद्दा होयत।
चुनाव प्रचारक अंतिम दिन संवाददाता सभसँ बातचीतमे राहुल गांधी कहलनि कि बुध दिन जनताक समस्या आ ओकर टूटल सपना मतदाताक मोन पर हावी होएत।
कांग्रेस नेता बतौलनि जे कोना महाराष्ट्रक धन आ संसाधनकेँ आन राज्यमे स्थानांतरित कयल जा रहल अछि, जाहिसँ मराठी युवासभकेँ नौकरी भेटबासँ रोकल जा रहल अछि आ राज्यक प्रगतिमे बाधा आबि रहल अछि।
राज्य आ केन्द्र स्तरक वरिष्ठ कांग्रेसी नेताक सङ्ग ओ कुल ७ लाख करोड़ टाकाक लागतक कतेको मेगा परियोजनाकेँ सूचीबद्ध कयलनि, जकरा महाराष्ट्रसँ बाहर आन प्रदेशमे स्थानांतरित कऽ देल गेल आ पछिला किछु सालमे एतय पाँच लाखसँ बेसी युवाक रोजगार सेहो खतम भऽ गेल। कम्पनीसभक नाम लैत ओ कहलनि जे नियोजित निवेशसँ राज्यक बेरोजगार युवाक लेल पैघ स्तरपर रोजगारक अवसर उत्पन्न भऽ सकैत छल।
राहुल गाँधी महा विकास अघाड़ी (एमवीए)क घोषणापत्रकेँ दोहरओलनि। जाहिमे गरीब, महिला, किसान, युवा आ बीमार लोकक मदति लेल समाजक सभ वर्गकेँ बहुत खुशी देबाक वचन देल गेल अछि।
पुनः ओ कहलनि, “तेलंगाना आ कर्नाटक जकाँ हम महाराष्ट्रमे जाति आधारित जनगणना करायब। ई देशक समक्ष एकटा पैघ चिन्ता अछि आ हमर रणनीतिक एकटा प्रमुख स्तम्भ अछि। कमसँ कम ५० प्रतिशत जनसंख्याक सरकारी वा निजी क्षेत्रमे कोनो संलग्नता नहिं अछि। हमरा ओ जनबाक जरूरत अछि।
राहुल गांधी आश्वासन देलनि जे महा विकास अघाड़ी महाराष्ट्रक लेल २५ लाख टाकाक स्वास्थ्य बीमा योजना लागू करत। ई योजना लोकक चिकित्सा आवश्यकताक ध्यान राखत।
एहि पहलक वित्तपोषणक विषयमे एकटा प्रश्नक उत्तर दैत ओ कहलनि, “हम सभ एहि योजनासभक लेल सभ वित्तीय गणना कऽ लेने छी। निश्चित रूपसँ ओकरा तत्काल लागू करबामे कोनो समस्या नहि होयत।”
राहुल गाँधी प्रतिज्ञा कयलनि जे एमवीए सरकार सत्तामे अयलाक बाद महाराष्ट्र आ मुम्बईक जनताक हितक लेल समर्पणक सङ्ग काज करत।