निर्वाचन आयोग उत्तर प्रदेश, केरल आ पंजाबमे होबयवला उपचुनावक तारीखमे बदलाव कयलक अछि। निर्वाचन आयोगक अनुसार, केरल, पंजाब आ उत्तर प्रदेशक विधानसभा सीटक उपचुनाव १३ नवम्बरक बदला २० नवम्बरकेँ होयत।
चुनाव आयोग आगामी पाबनि-तिहार केर देखैत ई निर्णय लेलक अछि। एहि सभ राज्यमे झारखंड आ महाराष्ट्रमे विधानसभा चुनावक सङ्ग मतदान होयत।
चुनाव आयोग कहलक, “पछिला महीना, १५ अक्टूबरकेँ १५ राज्यक ४८ विधानसभा क्षेत्र आ २टा संसदीय क्षेत्रक लेल उपचुनावक घोषणा कयल गेल छल। विभिन्न मान्यता प्राप्त राष्ट्रीय आ राज्य राजनीतिक दल (भाजपा, कांग्रेस, बसपा, रालोद) सहित किछु सामाजिक संगठन चुनाव आयोगकेँ आवेदन पठौलक जाहिमे किछु विधानसभा क्षेत्रमे मतदानक तिथि बदलबाक माँग कयल गेल छल जतय १३ नवम्बरकेँ उपचुनाव होयत। एहिमे कहल गेल अछि जे पैघ स्तरपर सामाजिक, सांस्कृतिक आ धार्मिक कार्यक्रमसँ पैघ संख्यामे लोककेँ असुविधा भऽ सकैत अछि जाहिसँ मतदानक दौरान मतदाता सभक भागीदारी कम भऽ सकैत अछि। एहि सभ पर विचार करैत आयोग किछु विधानसभा सीटपर उपचुनावक तिथि बदलबाक निर्णय लेलक अछि।”
२० नवम्बरकेँ जाहि विधानसभा सीटपर उपचुनाव होयत, ओहिमे केरलक पलक्कड़ विधानसभा सीट, पंजाबमे बाबा नानक, चब्बेवाल, गिद्दरबाहा आ बरनाला विधानसभा सीट शामिल अछि।
एकर अलावा उत्तर प्रदेशक नौ सीट पर सेहो २० नवंबरकेँ मतदान होएत, जाहिमे कानपुरक सिसामऊ, प्रयागराजक फूलपुर, मैनपुरीक करहल, मिर्जापुरक मझवां, अयोध्याक मिल्कीपुर, अम्बेडकर नगरक कटेहरी, गाजियाबाद सदर, अलीगढ़क खैर, मुरादाबादक कुंदरकी आ मुजफ्फरनगरक मीरापुर सीट शामिल अछि।
अक्टूबरमे निर्वाचन आयोग महाराष्ट्र आ झारखण्डमे विधानसभा चुनावक सङ्ग देश भरिमे होबयवला उपचुनावक तारीखक घोषणा कयने छल। १५ राज्यक ४८ विधानसभा सीट आ दूटा लोकसभा सीटक उपचुनाव १३ नवम्बरकेँ होबयवला छल। एहिमे नांदेड़ आ वायनाड लोकसभा सीट सेहो शामिल अछि।
२८८ सदस्यीय महाराष्ट्र विधानसभाक चुनाव २० नवम्बरकेँ एकहि चरणमे होयत। एकर अतिरिक्त झारखण्डक ८१ विधानसभा सीटक लेल दू चरणमे मतदान होयत। पहिल चरणक लेल १३ नवम्बर आ दोसर चरणक लेल २० नवम्बरकेँ मतदान होएत आ परिणाम २३ नवम्बरकेँ घोषित होएत।