बिहार विधानसभा उपचुनावक तारीखक घोषणा कऽ देल गेल अछि। मतदान 13 नवंबरकेँ होएत। इमामगंज, बेलागंज, रामगढ़ आ तरारी विधानसभा सीट पर उपचुनाव होएत।
बिहार विधानसभा उपचुनावक तारीखक घोषणा कऽ देल गेल अछि। निर्वाचन आयोगक अनुसार एतय चारिटा सीटपर १३ नवम्बरकेँ उपचुनाव होयत। बिहारमे इमामगंज, रामगढ़, बेलागंज आ तारारी विधानसभा सीट पर उपचुनाव होएत। वोटक गिनती २३ नवंबरकेँ होएत।
भारत निर्वाचन आयोग मंगलदिन महाराष्ट्र आ झारखण्डमे विधानसभा चुनावक सङ्ग-सङ्ग बिहारक चारिटा विधानसभा सीटपर उपचुनावक लेल अधिसूचना जारी कयलक। नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि २५ अक्टूबर अछि। मतपत्रक जांच २८ अक्टूबरकेँ होएत। नामांकन वापिस लेबाक अंतिम तिथि ३० अक्टूबर अछि। मतदान १३ नवम्बरकेँ होयत आ मतगणना २३ नवम्बरकेँ होयत।
जनतब जे भोजपुरक तारारी, कैमूरक रामगढ़, गया केर बेलागंज आ इमामगंजसँ विधायक सांसद बनि चुकल छथि। भाजपा, जदयू, राजद आ भाकपा (माले)क अतिरिक्त प्रशांत किशोर उपचुनावमे लय तोड़बाक तैयारी कऽ रहल छथि। एहि बेर नव पार्टीक गठन कयनिहार प्रशांत किशोर सेहो उम्मीदवारक घोषणा करताह। प्रशांत किशोर अपन बैसारमे कहने छलाह जे हम चारु सीट पर उम्मीदवार ठाढ़ करब। एहि उपचुनावकेँ अगिला सालक विधानसभा चुनावसँ पहिने बिहारमे राजनीतिक दलक बीच सेमीफाइनल प्रतियोगिताक रूपमे देखल जा रहल अछि।