स्वास्थ्य

समस्तीपुरमे एम्बुलेंसक अभावमे आपातकालीन कक्षमे घंटो तड़पैत रहल बीमार बच्चा

समस्तीपुर समदिया
*

समस्तीपुर सदर अस्पताल पोल खोलि वास्तविकता बता रहल अछि ई दृष्टांत। सोमदिन साँझ समस्तीपुर सदर अस्पतालक आपातकालीन कक्षमे अफरातफरी पसरल छल। जखनि मुफस्सिल थाना अन्तर्गत सिलौत गामक छऽ सालक बीमार बच्चाकेँ परिवार सदर अस्पताल लऽ गेल। ड्यूटी पर तैनात डॉक्टर संतोष झा प्राथमिक उपचारक बाद हुनका पटना पीएमसीएच रेफर कऽ देलनि। मुदा, आश्चर्यजनक बात तखन सोझाँ आयल जखन एकरा पहिल बेर १०२ नंबर पर एम्बुलेंस बुक करबा लेल कतेको घंटा धरि संघर्ष करय पड़ल। बहुत प्रयासक बाद एकटा एम्बुलेंस उपलब्ध भेल। ताबत धरि बच्चा इलाजक अभावमे घंटो धरि फर्श पर तड़पैत रहल।

परिवार एहि विषयमे स्वास्थ्य मंत्री, सदर अस्पतालक उप अधीक्षक आ सिविल सर्जनक सङ्ग-सङ्ग डीएम लग शिकायत दर्ज कयलक अछि। मुदा, कारवाईक दिशामे ठोस डेगक अभावमे परिवार भयंकर हंगामा करय लागल अछि। कहल जाइत अछि जे ई सुविधा बादमे देल गेल। स्वास्थ्य मंत्री मंगल पाण्डेय कहलनि जे ई मामिला संज्ञानमे आबि गेल अछि। जांच कएल जाएत। जांचक बाद कारवाई सेहो कएल जाएत।

कहल जाइत अछि जे १ नवम्बरसँ सरकार द्वारा एम्बुलेंस कंपनीक अनुबंधमे बदलाव कयल गेल अछि। तहियासँ एहि प्रकारक समस्या बढ़ि गेल अछि। परिवारक सदस्यक आरोप छनि जे रोगीकेँ रेफर कयलाक बाद एम्बुलेंस सुविधा उपलब्ध अछि। मुदा, अस्पताल प्रबंधनक तरफसँ एकरा आनब तत्काल संभव नहिं भऽ रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *