सहरसा जिलामे बेखौफ अपराधी सभ स्कूलमे दोहरा हत्याक घटना कऽ दहशत फैला देलक अछि। रविदिन भोरे, एकटा स्कूलमे एकटा माय आ बेटीक हत्या कऽ देल गेल। कहल जा रहल अछि जे अपराधी महिला रिंकू देवी आ हुनकर बेटी नैनाकेँ चाकू मारि हत्या कऽ देलक अछि।
माय-बेटीक जोड़ी भोरे-भोर टहलबा आ फूल तोड़बाक लेल घरसँ बाहर निकलल छल। एम्हर लगभग आठ बजे महिलाक बेटा साइकिल पर घूमि रहल छल, तखन लोकसभ स्कूलमे शवक सूचना देलनि। जकर बाद हडकंप मचि गेल। घटनाक संबंधमे कहल जाइत अछि जे रिंकू देवी अपन बेटी नैनाक सङ्ग घर सs निकललीह। हरदिन जकाँ ओ लगक सरकारी स्कूलमे टहलबा लेल गेलीह आ पूजाक लेल फूल लेलनि।
माय आ बेटीक शव स्कूलक कोठरीमे भेटल। हत्याक कारण एखन धरि पता नहिं चलल अछि। शरीरकेँ देखैत बुझाइत अछि जे हत्यासँ पहिने झगड़ा भेल छल। पुलिस हर बिंदु पर जांच कए रहल अछि। एहि मामिलामे एखन धरि केकरो हिरासतमे नहिं लेल गेल अछि। मामिलाक सूचना भेटलापर सदर थाना घटनास्थल पर पहुँचल आ मामिलाक जाँच चलि रहल अछि। एफएसएल टीम आ डॉग स्क्वायड घटनास्थल पर पहुँचल आ सबूत जुटा लेलक। जाँचक क्रममे पुलिस घटनास्थलसँ एकटा चाकू बरामद कयलक अछि।
घटनाक सूचना भेटलापर पैघ संख्यामे लोक विद्यालय पहुँचल। एक सङ्ग दूटा हत्याक घटनाक बाद पुलिस मामिलाक विभिन्न पहलूक जाँच कऽ रहल अछि। पुलिस घटनास्थलकेँ संरक्षित कए लेलक अछि।