समारोह

मैसाम द्वारा दोसर कथा गोष्ठीक आयोजन संस्कार भारती सभागारमे सुसम्पन्न

नई दिल्ली
*

मैथिली साहित्य महासभा द्वारा विगत रवि’क साँझ नव दिल्ली स्थित संस्कार भारती सभागारमे मैथिली कथा गोष्ठीक आयोजन संपन्न भेल, जे मूलतः कथा पाठक आयोजन छल आ एहिमे नव प्रवेशीक अधिकांश सहभागिता रहल, जे मैसाम द्वारा पहिनहिंसँ सुनिश्चित छल। दोसर बेर आयोजित कथा गोष्ठीमे कुल उन्नीस कथाकार कथा पाठ कयलनि। एहि गोष्ठीक अध्यक्षता कयलनि डॉ. प्रमोद कुमार, मुख्य अतिथि डॉ. आभा झा, विशिष्ट अतिथिक रूपमे वरिष्ठ साहित्यकार डॉ. नारायण आ मैसाम अध्यक्ष राहुल झा मंच पर उपस्थित छलाह। गोष्ठीक कुशल संचालन युवा कवि आनन्द दास कयलनि।

एहि मैथिली कथा गोष्ठीमे प्रमोद झा गोकुल ‘इज्जैत’, चित्रलेखा अंशु ‘एकटा छल ताई’, मुकेश दत्त ‘दिल्लीक बोली’, भावना मिश्रा ‘कनिया’, शिव कुमार सिंह ‘स्वाभिमान’, रेणु दास ‘पोस पुत्र’, सुधा ठाकुर ‘प्रेम’, मनीष झा बौआभाई ‘साझी धुआँ’, जयंती कुमारी ‘जाँच’, कुंदन कर्ण ‘इंट्रोडक्शन’ आ ‘रीढ़’, निवेदिता झा ‘दूभि’, हेमंत झा ‘आत्मविश्वास’, मुन्नी कामत ‘ श्री श्रृंगारिक आलमारी’, मनोज कर्ण मुन्ना ‘आनंद’,सांत्वना मिश्र ‘एकटा एहनो संतान’, अरुण कुमार मिश्र ‘मुरही कचरी’, अर्चना झा हिना ‘डिग्री के सार्थकता’, विनय ठाकुर ‘परिवर्तन’, प्रेम चौधरी ‘पागक प्रबोध’ शीर्षक’क कथा, लघु कथा, बिहनि कथा आदिक पाठ कयलनि ।

कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत साहित्यकार डॉ. प्रमोद कुमार कहलनि जे मैथिली साहित्य महासभा द्वारा एहि कथा-गोष्ठीक आयोजनसँ हम अभिभूत छी। अत्यंत अनुशासित आ व्यवस्थित गोष्ठी संपन्न भेल। कथाकार सभक कथा सुंदर आ विचारशील छल। मैसाम मैथिली लेल समर्पित संस्था अछि, ताहि लेल मैसाम अध्यक्ष राहुल झासँ आग्रह जे आगु मैथिलीक लेखनीक ऊपर सेहो एकटा कार्यशाला करथि, मैथिली लिखनहार सभ लेल उपयोगी रहत।

विशिष्ट अतिथि वरिष्ठ साहित्यकार डॉ. नारायण कहलनि जे आइ हम गौरवान्वित महसूस कऽ रहल छी, एकटा समय छल जखनि कथा पाठ केर कतहुँ कोनो जिक्र नै होयत छल, फेर शुरू भेल ‘सगर राति दीप जरय’ आ आइ आब मैसाम द्वारा आयोजित इ कथा गोष्ठी। अत्यंत प्रसनता भऽ रहल अछि।

मुख्य अतिथि सुपरिचित साहित्यकार डॉ. आभा झा अपन वक्तव्यमे मैसाम द्वारा दोसर कथा-गोष्ठीक आयोजन केर महत्वपूर्ण बतौलनि। ओ कहलनि जे मैसामक नियमित गतिविधिमे एकटा आओर नव कार्यक्रमक बढोतरी मैथिली साहित्यकेँ प्रगतिशील बनाएत।

मैसामक अध्यक्ष राहुल झा अपन उद्बोधनमे सभागारमे उपस्थित सभ वरिष्ठ साहित्यकार, विद्वतजन आ प्रबुद्ध श्रोता लोकनिक सहभागिता लेल आभार प्रकट कयलनि, संगहि कहलथि जे अगिला वर्ष फरवरीमे होबयवला कार्यक्रममे वरिष्ठ साहित्यकारक लेल नव पुरस्कार “लाइफ टाइम एचीवमेंट” प्रदान कयल जायत।

अध्यक्ष द्वारा नव सदस्या प्रेम चौधरीकेँ मैसाममे स्वागत कयल गेल। एहि कथा गोष्ठीमे स्त्रीमन, दिव्यांग संग अपेक्षित मानवीय व्यवहार, गाम-शहर पर केन्द्रित, आत्मविश्वास आ मातृभाषाकेँ प्रतिष्ठित करए बला कथा सभक पाठ प्रस्तुत भेल। गोष्ठीमे स्त्री-पुरुष कथाकारक सहभागिता उल्लेखनीय रहल।

दर्शक आ श्रोतावर्गमे विजय चन्द्र झा, मणिकांत झा, कौशल झा, पत्रकार सुधीर कर्ण, इत्यादिक गरिमामय उपस्थिति छलनि। समस्त कथाकार, मंच पर उपस्थित आदरणीय अतिथि, समस्त कार्यकारिणी आ सभागारमे उपस्थित सभ वरिष्ठ साहित्यकार, विद्वतजन आ प्रबुद्ध श्रोता लोकनिक सहभागिता लेल सीए सरोज द्वारा धन्यवाद ज्ञापन कयल गेल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *