देश-दुनिया

डोनाल्ड ट्रंप व्हाइट हाउसमे पहिले दिन रहताह एक्शन मोडमे, करताह १०० आदेश पर हस्ताक्षर

नई दिल्ली
*

कहल जा रहल अछि जे डोनाल्ड ट्रंप राष्ट्रपतिक रूपमे शपथ ग्रहण करिते इमिग्रेशन, ऊर्जा नीति आ संघीय सरकारक संचालनक बारेमे पैघ फैसला लेताह । पूरा दुनियाक नजरि हुनकर चुनावी वादा पर रहत, जाहिमे सँ किछ वादा ओ पदभार ग्रहणक पहिलहि दिन पूरा करय केर वादा कयने छथि।

जनतब जे ट्रंप 20 जनवरीकेँ अमेरिकाक 47म राष्ट्रपतिक शपथ भेल रहत।

अमेरिकी मीडियाक अनुसार ट्रंप अपन कार्यकालक पहिले दिन ‘लगभग १००’ कार्यकारी आदेश जारी करय केर कसम खयने छथि। एहिमे सँ बहुत रास आदेश बाइडेन प्रशासन द्वारा लागू कएल गेल आदेशकेँ उलटा देत वा समाप्त करत।

रिपोर्टक अनुसार, स्टीफन मिलर [जे ट्रंपक डिप्टी चीफ ऑफ स्टाफ फाॅर पाॅलिसीक रूपमे काज करताह] रविकेँ दुपहरमे कांग्रेसक वरिष्ठ रिपब्लिकनक संग एकटा कॉल पर ओहिमे सँ किछु कारवाई पर चर्चा कयलनि।

रिपब्लिकन नेता देशमे अवैध रूपसँ रहनिहार सभकेँ हटाबय लेल अमेरिकी इतिहासमे सबसँ पैघ निर्वासन शुरू करबाक वादा कयलनि अछि। ओ सीमा बंद करय आ अवैध आप्रवासन समाप्त करबाक सेहो उल्लेख कयने छथि।

ट्रम्प ड्रग कार्टेलक एकटा श्रृंखलाकेँ विदेशी आतंकवादी संगठनक रूपमे नामित करबाक लेल डेग उठा सकैत छथि आ अपन प्रशासनकेँ अपन पहिल कार्यकालसँ प्रवासी सुरक्षा प्रोटोकॉल नीतिकेँ बहाल करबाक निर्देश दऽ सकैत छथि, जकरा सामान्यतः ‘स्टे इन मेक्सिको’क नामसँ जानल जाइत अछि।

रविदिन उद्घाटन समारोहसँ पहिने रात्रिभोजमे दानदाता आ सहयोगी दलक भीड़केँ सम्बोधित करैत ट्रम्प कहलनि, “पदभार ग्रहण करबाक किछु घंटाक भीतर हम दर्जनों कार्यकारी आदेशपर हस्ताक्षर करब – लगभग १०० – जाहिमे सँ कतेकोक वर्णन हम काल्हि अपन संबोधनमे करब।”

ट्रम्प कहलनि, “अपन कलमक झटकासँ हम बाइडेन प्रशासनक दर्जनों विनाशकारी आ कट्टरपंथी कार्यकारी आदेश आ कारवाईकेँ रद्द कऽ देब, आ काल्हि ई सभ अमान्य भऽ जायत।”

एहि अपेक्षित कार्यकारी आदेशसभकेँ संभवतः तत्काल कानूनी चुनौतीक सामना करय पड़ि सकैत अछि। सबसँ बेसी ध्यान ट्रंपक टैरिफ पॉलिसी पर होएत किएक कि ओ कहने छथि कि वो मेक्सिको आ कनाडासँ आयातित सभ वस्तु पर 25% टैरिफ लगेताह। वो चीनसँ आबयवाला सामान पर पहिनेसँ लगाओल गेल शुल्कमे 10% टैरिफ जोड़य चाहैत छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *