जखन परिवार फोन केलक तखन बच्चाक पर्ची वार्डमे बंद छल। कोनो डॉक्टर नहिं अछि आ कियो बिना पर्चीक इमरजेंसीयोमे नहिं देखत, एहि तरहक बात कहल गेल। जकर बाद जखन ओ अस्पताल पहुँचलाह तखन पता चलल जे डॉक्टर किछु समय पहिने फिल्मी गीत बजा कऽ शराब पीबि रहल छलाह आ आब ओ गाड़ी चालू कय जा रहल छथि। जखन ओ गाड़ी पर पहुँचलाह तखन शराबी गार्ड जमीन पर खसि पड़ि रहल छल। जकर बाद परिवार पुलिसकेँ फोन कयलक।
ओकर बाद परिवार एकर वीडियो बनाबय लागल, जखन वीडियो बनल तखन मोबाइल छीनि लेल गेल। ताबत धरि डॉक्टर आ गार्ड भागि गेल छलाह। एकटा आओर कर्मचारी जे अस्पतालमे छल, ओ सेहो नशामे छल। जखन हुनका शराब पीबाक विषयमे पूछल गेल तँ हुनका पर अपन परिवारक पाँचटा महिलाकेँ अस्पताल आनय केर बात कहि जाति सूचक आरोप लगाओल गेल। मामिला लगभग भोरे-भोरक अछि। वर्तमानमे डॉक्टर आ गार्ड फरार अछि। एकर बाद जखन मीडिया सदर अस्पतालक डीएस डॉक्टर एस पी बिस्वाससँ पूछताछ केलक तऽ ओ एहि वीडियोक जानकारी आ एकरा देखबाक बात स्वीकार केलनि आ कहलनि जे ओहि सब कर्मचारी आ डॉक्टरकेँ पत्र जारी कैल जा रहल अछि। २४ घंटामे एहि सबटा मामिला केर लय कऽ स्पष्टीकरण दिअ कि एहेन स्थितिमे अहाँ किएक छलौंह ?