धर्म-संस्कृति

मैथिल सामाजिक मंच इंदौर द्वारा जितिया व्रतीक मध्य पूजा सामग्रीक वितरण

इंदौर
*

मैथिल सामाजिक मंच इंदौरक अध्यक्ष उदय कांत ठाकुर केर देखरेखमे मंचक कार्यकारणी सदस्य द्वारा स्थानीय मैथिलक मध्य जितिया पाबनि लेल उपयोगी सामग्रीक वितरण कएल गेल। ओना त’ मैथिल जतय छथि अप्पन संस्कार आ परंपराक निर्वाह करैत छथि, मुदा जतय विपुल संख्यामे छथि ओहि ठाम, हर पाबनि वा तिहारक वृहत स्तर पर आयोजन कएल जाइत अछि।

सनातन धर्ममे जितिया व्रतक अप्पन महत्व छैक, ई सभसँ कठिन पाबनिमे सँ एक मानल जाइत अछि। महिला व्रती, निर्जला उपवास करैत अप्पन संतानक आयु आ मंगलक लेल भगवान जीमूतवाहनक पूजा अर्चना करैत छथि। शहर महानगरमे पाबनि-तिहारक उपयोगी सामग्री जुटाएब सेहो अत्यंत कठिन त’ एहि समस्याक निवारण लेल मैथिल सामाजिक मंच इंदौर हर वर्ष जितिया व्रतीक मध्य उपयोगी सामग्री जेना, झिमनी पात, मरुआ आटा, खैर आ अंकुरि वितरित करैत रहल अछि। एहि वितरण कार्यक्रममे मंचक तमाम कार्यकारिणी सदस्य अपना प्रयास सँ एहि कार्यक्रमकेँ सफल बनएबाक प्रयास कएलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *