चुनाव

आ देवेंद्र फडणवीस तेसर बेर महाराष्ट्रक मुख्यमंत्रीक लेलनि शपथ, शिंदे-अजित उपमुख्यमंत्री

मुंबई
*

देवेंद्र फडणवीस बृहस्पतिकेँ महाराष्ट्रक नव मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि। मुंबईक ऐतिहासिक आजाद मैदानमे राज्यपाल सी.पी. राधाकृष्णन हुनका पद आ गोपनीयताक शपथ दियेलनि। एहि दौरान प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सहित भाजपा आ राजगक कतेको वरिष्ठ नेता उपस्थित छलाह।
मुख्यमंत्री देवेंद्र फडणवीसक संग शिवसेना प्रमुख एकनाथ शिंदे आ एनसीपी अध्यक्ष अजित पवार उपमुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि।

समारोहमे केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह, उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ, बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, असमक मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा शर्मा आ कतेको राज्यक मुख्यमंत्री उपस्थित छलाह। भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जे.पी. नड्डा, रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह, केंद्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्री नितिन गडकरी, खाद्य प्रसंस्करण उद्योग मंत्री चिराग पासवान सहित कतेको केंद्रीय मंत्री सेहो उपस्थित छलाह।

शपथ ग्रहण समारोहमे शाहरुख खान, सलमान खान, संजय दत्त, रणबीर कपूर, रणवीर सिंह आ माधुरी दीक्षित सहित बॉलीवुडक कतेको हस्ती सेहो उपस्थित छलथि। महान क्रिकेटर सचिन तेंदुलकर सेहो एहि समारोहमे शामिल भेलाह।

महाराष्ट्र भाजपा विधायक दलक नेताक रूपमे फडणवीसक नामकेँ बुधदिन अन्तिम रूप देल गेल। एकर बाद फडणवीस, शिंदे आ पवार ४ दिसम्बरकेँ राज्यपाल सी.पी. राधाकृष्णनसँ भेंट कयलनि। राधाकृष्णनसँ भेंट कऽ महायुति सरकार बनेबाक दावा पेश कयलनि।

महाराष्ट्र विधानसभा चुनावमे भाजपाक नेतृत्ववला महायुति गठबन्धन भारी जीत दर्ज कयने अछि। ई २८८ सीटमेसँ २३५ सीट जितलक। ई परिणाम भाजपाक लेल एकटा महत्वपूर्ण मीलक पत्थर साबित भेल, जे १३२ सीटक सङ्ग सबसँ पैघ दलक रूपमे उभरल। ओतहि विपक्षी महा विकास अघाड़ी (एमवीए) केँ पैघ झटका लागल, जाहिमे कांग्रेसकेँ मात्र १६ सीट भेटल। गठबन्धनक सहयोगी शिवसेना (यूबीटी) २० सीट जितलक, जखन कि एनसीपी (शरद पवार गुट) केँ मात्र १० सीट भेटल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *