विधि-व्यवस्था

दिल्ली पुलिस अमित शाहक आरक्षण वीडियो मामिलामे दर्ज कयलक केस, एडिट कऽ पसारल जा रहल झूठक आरोप

दिल्ली
*

दिल्ली पुलिस केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाहक एडिट कयल वीडियो साझा करबाक मामिलामे केस दर्ज कयलक अछि। ई वीडियो गृह मंत्री द्वारा आरक्षणक संबंधमे देल गेल बयान पर अछि।

अमित शाहक खिलाफ सोशल मीडिया पर कथित रूपसँ छेड़छाड़ कयल वीडियो पोस्ट करय केर मामिला दिल्ली पुलिस द्वारा दर्ज भेल अछि। वीडियोसँ पता चलैत अछि जे भाषणक दौरान अमित शाह अनुसूचित जाति (एससी), अनुसूचित जनजाति (एसटी) आ अन्य पिछड़ा वर्गक लेल आरक्षण कोटा समाप्त करबाक बात कऽ रहल छथि। वीडियो वायरल भऽ गेल अछि। एकर बाद गृह मंत्रालय सोशल मीडिया पर गलत वीडियो शेयर करय वालाक लेल जिम्मेदारक खिलाफ कारवाई कयलक अछि।

एहि वीडियोकेँ लऽ कऽ भाजपा द्वारा पुलिस अधिकारी लग शिकायत दर्ज करायल गेल छल। एकर बाद दिल्ली पुलिस रवि दिन एफआईआर दर्ज कयलक। भाजपा कहलक अछि जे रैलीक दौरान अमित शाहक भाषणमे हेरफेर कयल गेल अछि। भाजपा प्रवक्ता अमित मालवीय कहलनि जे अमित शाह रैलीमे तेलंगानामे मुसलमानक लेल आरक्षण कोटाक मुद्दा पर बात कयने छलथि। विडियो एडिट कय हुनक बयानकेँ गलत ढ़ंगसँ प्रस्तुत कयल गेल अछि।

अमित मालवीय कहलनि, फर्जी वीडियो शेयर करयवलाकेँ कानूनी परिणामक सामना करय लेल तैयार रहबाक चाही।
अमित मालवीय कहलनि, “कांग्रेस एकटा एडिटेड वीडियो पसारि रहल अछि। ई एकदम नकली अछि। एहिसँ पैघ पैमाना पर हिंसाक खतरा अछि। अमित शाह मुसलमानसभकेँ असंवैधानिक तरीकासँ देल गेल आरक्षण केर समाप्त करबाक बात कहने छलाह। एससी, एसटी आ ओबीसी केर लेल आरक्षण कम कऽ देल गेल अछि आ धर्मक आधार पर आरक्षण देल गेल अछि। ई फर्जी वीडियो कांग्रेसक कतेको प्रवक्ता द्वारा पोस्ट कयल गेल अछि। हुनका कानूनी परिणामक सामना करबाक लेल तैयार रहबाक चाही।”

कांग्रेससँ जुड़ल आधिकारिक अकाउंट सहित विभिन्न सोशल मीडिया हैंडल द्वारा छेड़छाड़ कयल गेल फुटेज साझा कयलाक बाद वीडियोकेँ लऽ कऽ विवाद बढ़ि गेल। इहो आरोप लगाओल गेल अछि जे ई भाजपाक “एससी/एसटी आरक्षण कोटा समाप्त करबाक एजेण्डा”केँ देखबैत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *