शिक्षा

पारसमणी पाठशाला जगन्नाथपुरमे वाद-विवाद प्रतियोगता

दरभंगा समदिया
*

पारसमणी पाठशाला जगन्नाथपुरमे वाद-विवाद प्रतियोगता आयोजन कयल गेल। विषय-दहेज प्रथा छल।एहि डीबेटक संचालक – रामबाबू, निर्णायसब, निधि , मनोज , डॉली , सोनम, प्रभाकान्त छलथि। पक्ष-आदर्श कुमार, हरेकृष्ण , साजन , सचीन , विपक्ष-शिवानी , साक्षी प्रिया छल। विद्यार्थीसबकेँ तर्क शक्तिकेँ बढ़ेवाक लेल भाषाक शिक्षक प्रभाकांत रामबाबूक मार्गदर्शनमे वाद – विवाद प्रतियोगिता कराओल गेल।जाहिमें नीक प्रदर्शन करयवाला धिया पुताकेँ प्रोत्साहित कयल गेल।

विद्यालय परिवारमे उत्साह आ उमंग छल। विश्वक उत्तम अनमोल रत्न श्रीमद् भागवत गीता ग्रंथ देल गेल। श्रीमद् भागवत गीताक संदेश बताओल गेल। जीवनमे गीता आत्मसात कऽ लेब तऽ सदैव आहाँकेँ मार्गदर्शक आ दिशा , उचित-अनुचित ज्ञान होयत।

डॉली झा कहलनि जे पारसमणि सदैव विद्यार्थी सबहक सर्वांगिक विकासक लिए तत्पर रहैत छै । विद्यालय परिवारक मनोज, निधि ,आशुतोष, सोनम, विरेंद्र, गुनगुन , समरजीत, लक्ष्मी, प्रिया ,मुस्कान आदि शिक्षक आ शिक्षिका सेहो उपस्थित छलथि।

पक्ष-आदर्श कुमार-08, हरेकृष्ण -07 साजन -03, सचीन -1 , विपक्ष-शिवानी -08, साक्षी प्रिया -5
अंक प्राप्त भेल। निर्णायक सभ द्वारा अंक- पक्ष – 24,+ सामूहिक अंक -12अंक, विपक्ष – 20, + सामूहिक अंक -13 कुल अंक – पक्ष- 36, विपक्ष -33 प्राप्त भेल। एहि कार्यक्रम उद्देश्य छल विद्यार्थीसभक तर्क करबाक आ कोनो विषय पर मुखर रुपें प्रस्तुत करवाक अभ्यास।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *