केरलक वायनाडमे भेल विनाशकारी भूस्खलनमे मृतकक संख्या ४१३ भऽ गेल अछि। १५२ लोकक एखनो लापता होबए केर सूचना अछि। बचाव अभियान नवम दिन जारी छल।
रक्षा बल, एनडीआरएफ, एसडीआरएफ, पुलिस, अग्निशमन सेवा आ स्वयंसेवक कर्मीसभ सहित १,००० सँ बेसी सदस्यक बचाव दल बुधदिन भोरमे चारिटा सबसँ बेसी प्रभावित क्षेत्र चुरलामाला, वेल्लारीमाला, मुंडक्कई आ पुंचिरिमाडोममे तलाशी अभियान शुरू कयलक।
मुख्यमंत्री पिनाराई विजयन कहलनि अछि जे जाबत धरि रक्षा बल कोनो निर्णय नहिं लेत ताबत धरि तलाशी अभियान जारी रहत। एखनि ओहि क्षेत्रमे खोज अभियान चलि रहल अछि जतय लोक रहैत छल आ ३० जुलाईकेँ सबसँ भयानक प्राकृतिक आपदाक बाद फँसल छल।
मुख्यमंत्री पिनाराई विजयन मंगलकेँ कहलनि जे वायनाड जिलाक चारि गाममे भेल त्रासदीक बाद मलप्पुरम जिलाक नीलाम्बुर आ लगपासक क्षेत्रमे चलियार नदीसँ ७६ गोट शव आ शरीरक कतेको अंग बरामद कयल गेल अछि।
बुधदिन सेहो बचाव दल चलियार नदीमे तलाशी अभियान चला रहल छल। प्रभावित क्षेत्र आ ओकर लगपासक विभिन्न शैक्षणिक संस्थानमे १०० सँ बेसी राहत शिविर स्थापित कयल गेल अछि, जतय एखन १०,३०० सँ बेसी लोक ठहरल छथि।
किछु दिन पहिने धरि कोनो आरोप-प्रत्यारोपक खेल नहिं छल। बचाव, राहत आ पुनर्वास पर ध्यान केन्द्रित कयल गेल। मुदा, आब सीएम विजयनकेँ निशाना बनाबैत वाकयुद्ध शुरू भऽ गेल अछि।
केन्द्रीय पर्यावरण मंत्री भूपेन्द्र यादव एकरा मानव निर्मित आपदा बतौलनि अछि। कांग्रेसक नेतृत्ववला विपक्ष मांग कयलक अछि जे मुख्यमंत्री आपदा राहत कोषमे आबयवला धनक उचित उपयोग कयल जाय।
देशक सबसँ बेसी समय धरि रक्षा मंत्री रहल कांग्रेसक वरिष्ठ नेता ए.के. एंटनी आपदाक बाद पुनर्वास काजपर ध्यान केन्द्रित करबाक आ राजनीतिक लाभमे लिप्त नहिं होयबाक आह्वान कयलनि अछि।