यातायात

दरभंगा हवाई अड्डाक टर्मिनल – टू भऽ रहल री-अरेंज्ड, बढ़ाओल जायत वेटिंग एरिया

दरभंगा समदिया
*

दरभंगा हवाई अड्डा पर टर्मिनल -३ के निर्माणक बाद आब टर्मिनल -२ केर फेरसँ व्यवस्था कयल जा रहल अछि। टर्मिनल ३ सँ निकासी उपलब्ध होयत, जखन कि टर्मिनल २ मात्र बोर्डिंग लेल होयत। एहेनमे बोर्डिंग लेल टर्मिनल 2 के फेरसँ व्यवस्था कयल जा रहल अछि।

एकर अन्तर्गत टर्मिनल २ मे आब सुरक्षा जाँचक लेल काउंटर होयत। संगहि, प्रतीक्षा क्षेत्र सेहो काफी पैघ भऽ जायत। दरभंगा हवाई अड्डाक टर्मिनल वन वायुसेनाक नियंत्रणमे अछि। कम प्रतीक्षा क्षेत्रक कारण यात्रीसभकेँ बैसबाक जगह सेहो नहिं भेटैत अछि। कहल जा रहल अछि जे टर्मिनल २ केर फेरसँ व्यवस्थाक बाद हवाई अड्डा पर विमानक संख्या बढ़त। इंडिगो सहित कतेको एयरलाइन्स दरभंगा हवाई अड्डा प्रबंधनसँ स्थानक माँग कयलक अछि, मुदा हवाई अड्डा प्रबंधन एखन धरि स्थानक अभावमे एयरलाइन्सकेँ सेवा शुरू करबाक अनुमति नहिं देलक अछि।

एखनि दरभंगामे कुल १०टा विमान परिचालन कऽ रहल अछि, जखन कि शुरूक दिनमे एतयसँ २० टा धरि विमान संचालित कयल जा चुकल अछि। ओहि दौरान यात्रीसभक सुविधाकेँ लऽ कऽ बहुत हंगामा भेल छल, जकरा देखि एतय विमानक संख्या कम कऽ देल गेल। आब कहल जा रहल अछि जे टर्मिनल २ केर फेरसँ व्यवस्थाक बाद सब लंबित आवेदन पर विचार कयल जायत आ एयरलाइंस केर सेवा शुरू करय लेल जगह देल जायत।

दरभंगा हवाई अड्डा पर टर्मिनल ३ केर निर्माणक बाद हवाई अड्डाक क्षमता बढ़ि कऽ लगभग ५०० यात्रीक आवाजाही भऽ गेल अछि। नव टर्मिनलमे एयरलाइन्सक लेल १५टा काउंटर बनाओल गेल अछि, जाहिमेसँ चारिटा काउंटर एखनि खाली अछि। दरभंगा हवाई अड्डाक टर्मिनल -४ जे स्थायी टर्मिनल होयत, केर निर्माणक प्रक्रिया सेहो शुरू भऽ गेल अछि। कहल जा रहल अछि जे अगिला एक-दू मासमे एकर आधारशिला राखल जायत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *