बिहारमे दरभंगा एम्सक रूपमे अपन दोसर एम्स भेटय जा रहल अछि। हालहिमे बिहारक स्वास्थ्य मंत्री मंगल पाण्डेयक उपस्थितिमे नीतीश सरकार शहरमे १८८ एकड़ जमीन केन्द्र सरकारकेँ सौंपि देलक। जहिना जमीन भेटल, केन्द्र सरकार एहि परियोजनाक निर्माण एनबीसीसी लिमिटेडकेँ सौंपि देलक। एचएससीसी इंडिया लिमिटेडक पूर्ण स्वामित्ववला सहायक कम्पनी अछि। एकरा लेल मोदी सरकार 1261 करोड़ टकाक बजट सेहो जारी कयलनि अछि।
राज्य सरकार द्वारा जमीन उपलब्ध करयलाक बादसँ एम्सक निर्माण कार्यमे तेजी देखल जा रहल अछि। निर्माण काजक जिम्मेदारी भेटलाक बाद कंपनी द्वारा कहल गेल जे एम्स निर्माणक पहिल चरणमे आवंटित जमीनमेसँ एम्स केर भवन 2.25 लाख वर्ग मीटरसँ बेसी क्षेत्रमे बनाओल जायत। पूरा परियोजनाकेँ ३६ मास वा तीन सालमे पूरा करबाक लक्ष्य अछि। संगहि स्वास्थ्य विभागक अनुसार दरभंगा एम्सकेँ अत्याधुनिक स्वास्थ्य देखभाल संस्थानक रूपमे विकसित कयल जायत। एकर लक्ष्य राज्यक लोककेँ कम पाइमे नीक स्वास्थ्य सेवा प्रदान करब अछि।
२०१९ मे घोषित एम्स दरभंगामे एकटा सुसज्जित देखभाल अस्पताल, एकटा मेडिकल कॉलेज, आयुष अस्पताल, डॉक्टर आ कर्मचारीक लेल आवासक सङ्ग-सङ्ग पढ़य बला छात्रसभक लेल छात्रावास सेहो होयत। विभागक अनुसार एम्स दरभंगा भारत सरकारक देश भरिमे अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थानक नेटवर्क स्थापित करबाक पहलक हिस्सा अछि।. दरभंगामे एम्सक निर्माणक बाद ई राज्यक एकटा प्रमुख चिकित्सा संस्थानक रूपमे काज करत। एकर संगहि सीतामढ़ी, मधुबनी, समस्तीपुर आ मुजफ्फरपुरमे रहनिहार लोककेँ एकर सीधा लाभ होयत आ हुनका नीक इलाजक लेल पैघ शहरमे नहिं जाय पड़त।