सुरक्षा

लगातार धमकीसँ पप्पू यादव विचलित, बेटाकेँ मारय केर सेहो भेटल धमकी, सिस्टम पर आरोप

पूर्णिया
*

समयक पहिया घुमैत रहैत छैक, आइ कथित बाहूबली पप्पू यादव पल-पल धमकीसँ भयभीत छथि। पूर्णियाक निर्दलीय सांसद पप्पू यादवकेँ जानसँ मारबाक धमकी भेटि रहल अछि। पहिल बेर जखनि हुनका लॉरेंस बिश्नोई गिरोहक नामसँ धमकी देल गेल छल, तखन हलचल मचि गेल छल। तहियासँ धमकीक प्रक्रिया बन्द नहि भेल अछि। आब पप्पू यादव हुनका भेटल धमकीक जवाब देलनि आ जाञ्चक माँग कयलनि।

पप्पू यादवकेँ पिछला किछु दिनसँ जानसँ मारय केर धमकी भेटि रहल छल। आब हुनका सङ्ग हुनक बेटाकेँ मारबाक धमकी देल गेल अछि, जकर बाद ओ भावुक भऽ गेलाह। आब पप्पू यादवकेँ कियो ‘एरा गैरा नाथू खैरा’ फोन कए आ व्हाट्सएप मैसेज भेजि धमकी दऽ रहल अछि। पप्पू यादव सेहो एहि बातकेँ बुझय लागल छथि आ धमकी देनिहारकेँ प्रतिउत्तर सेहो देबय लागल छथि, लगातार भेटैत धमकीक चर्चा सब जगह भऽ रहल अछि।

पप्पू यादव कहलनि, सोशल मीडिया पर एहन प्रतिक्रियासँ बचबाक चाही। जँ ओ एहि पर प्रतिक्रिया देबय लगताह तऽ जातिगत उन्माद पसरि जायत।तें जे कियो धमकी दऽ रहल अछि, ओ एकटा मैदान आ तारीख तय करय आ आबि कऽ गप्प कय लिअ। एहि बेरक धमकीमे हुनक बेटाक फोटो लगा कय २४ दिसम्बर तक सरप्राइज देबाक बात पर पप्पू यादव भावुक देखल गेलाह। एहि बेर धमकी हुनक बेटाकेँ मारबाक देलक अछि आ एकटा लाइव लोकेशन सेहो पठौलक अछि आ कहलक अछि जे हम सभ समय अहाँ दुनू पर नजरि राखि रहल छी।

एहि संबंधमे ओ कॉल रिकॉर्डिंग आ व्हाट्सएप मैसेजक जानकारी सहित डीजीपी बिहारकेँ लिखित आवेदन देलनि अछि। संगहि हुनकसँ गप्प सेहो कयलनि अछि। एकर अतिरिक्त उच्च न्यायालय पटनाकेँ एकटा पत्र सेहो लिखल गेल अछि। पप्पू यादवक दावा अछि जे दिल्लीसँ गिरफ्तार महेश पाण्डेयक संबंध लॉरेंस बिश्नोई गिरोहसँ अछि। ओ कहलनि जे ओ बेर-बेर माँग कऽ रहल छथि जे एहि धमकीक पाछाँ केकर हाथ अछि। एकर जांच किएक नहि कएल जा रहल अछि ? पप्पू यादवकेँ के खत्म करए चाहैत अछि ?

पप्पू यादव कहलनि कि आरएसएस प्रमुखकेँ जेड-प्लससँ ऊपर सुरक्षा भेटल अछि। कंगनाकेँ सुरक्षा भेटल अछि। भाजपा नेता सभकेँ बिना कोनो कारणक सुरक्षा देल गेल अछि। मुदा विपक्षक लेल सुरक्षाक कमी अछि। राहुल गाँधीकेँ सेहो अपन जानक खतरा अछि, हुनक हेलीकॉप्टर रोकि देल गेल। झारखण्डक मुख्यमंत्री हेमंत सोरेनकेँ प्रतिदिन मारबाक प्रयास कयल जा रहल अछि।

पप्पू यादव कहलनि जे “सिस्टमकेँ पप्पू यादवसँ डर अछि। एहि लेल हमरा मरबाबय चाहैत अछि। हम डरैत नहिं छी। मुदा हम निश्चित रूपसँ जाँचक माँग करब जाहिसँ पर्दाक पाछाँ के अछि से पता चलि सकय। ओ कहलनि जे आब ओ सुरक्षाक लेल भीख नहि मांगताह। आम लोक आब हुनक रक्षा करत। पप्पू यादवक घर आ कार्यालय आबयवला लोकक नियममे बहुत रास बदलाव भेल अछि। भवनमे प्रवेश करबाक लेल एकटा प्रवेश द्वार बनाओल गेल अछि, जाहि पर एकटा स्कैनर लगाओल गेल अछि। जे भीतर जा रहल छथि हुनका स्कैनरसँ गुजरय पड़त। जाहिसँ जँ कियो हथियार लऽ कऽ अबैत अछि तँ ओकरा गेटे पर रोकल जा सकय।

संगहि हुनका वाई श्रेणीक सुरक्षा सेहो भेटल अछि आ पूर्णिया पुलिस अलगसँ सेहो सुरक्षा दऽ रहल अछि। ओतहि अर्जुन भवनक बाहरक कोठरीमे कार्यकर्ता बैसल रहैत छथि, जे पहिने भेँट करयवला लोकसँ समस्या पूछैत छथि, जकरा ओ पहिने अपन स्तर पर निपटबाक प्रयास करैत छथि। किछु कार्यकर्ता आवेदन लऽ कऽ सांसदसँ भेंट करैत छथि, जँ आवश्यकता पड़ैत अछि तँ आवेदककेँ सुरक्षा नियम पूरा कयलाक बाद भीतर बजाओल जाइत अछि। सीआरपीएफ केर जवान सेहो सांसदक आसपास रहैत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *