आम आदमी पार्टीक राष्ट्रीय संयोजक अरविन्द केजरीवाल, दिल्लीक मुख्यमंत्री आतिशी आ मंत्री सौरभ भारद्वाजक सङ्ग घोषणा कयलनि अछि जे दिल्लीमे आब ५.३ लाखसँ बेसी वृद्ध लोककेँ २५०० रुपैया पेंशन भेटत।
एहि दौरान केजरीवाल भाजपा शासित आन राज्य पर सेहो निशाना साधैत ओतय भेटल बुजुर्गक पेंशनक तुलना दिल्लीमे भेटल पेंशनसँ करैत कहलनि जे जतय डबल इंजन सरकार अछि, ओतय स्थिति खराब अछि आ जतय सिंगल इंजन सरकार अछि, ओतय लोक खुश अछि। अरविंद केजरीवाल कहलनि जे एहि बेर ८०,००० नव पेंशन खोलल जा रहल अछि। २०१५ मे जखनि हमर सरकार बनल छल तखनि ई 3.32 लाख बुजुर्गकेँ पेंशन दैत छल। आम आदमी पार्टी अपन सरकारमे पेंशनमे १.२५ लाखक वृद्धि कयलक। लगभग ४.५० लाख पेंशन एखनो भेटि रहल छल। आब 80 हजार आओर लोककेँ कुल ५.३० लाखसँ बेसी लोककेँ पेंशन भेटत।
अरविंद केजरीवाल कहलनि अछि जे भाजपा आ आप सरकारक बीच अंतर स्पष्ट अछि। डबल इंजन सरकार (भाजपा) वला राज्यमे बुजुर्गकेँ मात्र ५०० सँ १००० रुपया धरि पेंशन भेटि रहल अछि। जखनि कि दिल्लीक सिंगल इंजन सरकार (आप) बुजुर्गकेँ २,५०० रुपया तक पेंशन देत। ई क्षति भाजपाक डबल इंजन सरकारसँ बेसी अछि, आम आदमी पार्टीक इंजन दिल्लीक जनताक लेल सही अछि।
केजरीवाल कहलनि, “आइ हम बहुत खुश छी जे दिल्लीक लगभग ५.५ लाख बुजुर्ग लोकक लेल पेंशन फेरसँ शुरू कयल जा रहल अछि। पोर्टल शुरू भेलाक २४ घंटाक भीतर १०,००० सँ बेसी आवेदन सेहो प्राप्त भेल अछि। भाजपा बुजुर्गक पेंशन रोकबाक षड्यंत्र रचैत छल आ पाप कयने छल। मुदा आब अहाँक बेटा आबि गेल अछि, ओ अहाँक सभ काज पूरा करवाओत।”
दिल्लीक बुजुर्गकेँ भेटल पेंशनक तुलना आन राज्यसँ करैत अरविंद केजरीवाल कहलनि जे दिल्लीमे ६० सँ ६९ वर्षक बीचक लोककेँ २००० रुपैया पेंशन भेटैत अछि। आम आदमी पार्टीक सरकार सत्तामे अयबासँ पहिने ई पेंशन १००० रुपैया छल। हमर सरकार बनलाक बाद हम एकरा बढ़ा कए २००० कए देलहुं। ७० सालसँ बेसी उम्रक वरिष्ठ नागरिककेँ २,५०० रुपैया पेंशन भेटि रहल अछि। पहिने ई पेंशन डेढ़ हजार भेटैत छल।
केजरीवाल कहलनि कि राजस्थानमे बुजुर्गकेँ ११५० रुपया पेंशन भेटैत अछि। उत्तर प्रदेशमे १००० रुपैया प्रति मास पेंशन देल जाइत अछि। गुजरातमे ७०० रुपैया प्रति माह पेंशन आ छत्तीसगढ़मे ६५० रुपैया प्रति मास पेंशन देल जाइत अछि। मध्य प्रदेशमे हुनका सभकेँ महीना ६५० रुपैया भेटैत अछि। महाराष्ट्रमे पेंशन ६०० रुपया, ओडिशा ३०० रुपया, असम ५०० आ गोवा ५०० रुपया प्रति माह अछि।