बिहारमे पोस्टर युद्ध एक बेर फेर जोर पकड़ि लेने अछि। एहि बेर राजद नेता तेजस्वी आ लालू यादवक बारेमे पोस्टर बनाओल गेल अछि।
राजधानी पटनामे एक बेर फेर पोस्टर वार भड़कि गेल अछि। एहि बेर ई पोस्टर राजद कार्यालय लग लगाओल गेल अछि। मुदा, पोस्टर के लगओलक एहि बारेमे कोनो जानकारी नहिं अछि। मुदा भाजपा एहि पोस्टरमे लिखल बातक समर्थन करैत देखाइत अछि। पोस्टरमे लालू यादव आ तेजस्वी यादवक कार्टून फोटो अछि। तेजस्वीक नाम फैलस्वी यादव कहल गेल अछि।
राजधानी पटनाक आयकर चौराहा पर दूटा अलग-अलग पोस्टर लागल अछि। एकटा पोस्टरमे फैलस्वी यादव लिखल अछि, दोसर पोस्टरमे तेजस्वीकेँ ‘टोंटी चोर’ आ लालू यादवकेँ ‘चारा चोर’ कहल गेल अछि। ई पोस्टर राजदक हरियर रंगक थीम पर आधारित बनाओल गेल अछि। पोस्टरधारक अपन नाम वा पार्टीक नाम नहिं लिखने छथि। पोस्टर के लगओलक एकर कोनो उल्लेख नहि अछि, मुदा भाजपा प्रवक्ता दानिश इकबाल कहलनि जे पोस्टरमे जे देखाओल गेल अछि, ओ पूरा सही अछि।
जनतब जे गठबंधन सरकार गिरलाक बादो तेजस्वी सरकारी बंगला खाली नहिं कयने छलथि। एकर बाद भवन निर्माण विभाग हुनका नोटिस जारी केलक। एकर बाद तेजस्वी यादव बीतल शनिकेँ बंगला खाली कऽ देलनि। जकर बाद भाजपा आरोप लगओलक अछि जे सरकारी सामान सेहो गायब भऽ गेल जाहि दरम्यान तेजस्वी यादव बंगला खाली कयलनि। एहि पर तेजस्वी यादव भाजपा पर हमला कयलथि जे ई लोक हमर छवि खराब करबाक कोशिश कऽ रहल छथि। ई हास्यास्पद अछि, हँसी आबैत अछि। भाजपा राजद आ तेजस्वी यादवसँ डरैत अछि।
एहिसँ पहिने अप्रैल २०२२ मे जखन बिहारमे पेट्रोल आ डीजलक दाम बढ़ल तखन राजद पोस्टरक माध्यमसँ केन्द्र सरकारक सङ्ग-सङ्ग राज्य सरकारपर सेहो निशाना साधने छल। ओहि पोस्टरमे प्रधानमंत्री आ सीएम नीतीशकेँ एक संग ठाढ़ देखाओल गेल छल आ लिखल छल जे डीजल १०१ पर नॉट आउट, पेट्रोल ११६ पर नॉट आउट।