जनसरोकार

सीएम नीतीश कुमार कयलनि भारत रत्न मौलाना आजाद मेमोरियल पार्कक निरीक्षण

पटना
*

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पटनामे नेहरू पथ पर बनाओल जा रहल भारत रत्न मौलाना अबुल कलाम आजाद स्मृति स्मारक पार्कक निरीक्षण कयलनि। एहि दौरान मुख्यमंत्री अधिकारी सभकेँ कतेको निर्देश देलनि। मुख्यमंत्री कहलनि जे मौलाना आजादक जयन्तीसँ पहिने उद्यानक निर्माण कार्य ११ नवम्बर धरि पूरा भऽ जयबाक चाही।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगल दिन पटनाक नेहरू पथ पर निर्माणाधीन भारत रत्न मौलाना अबुल कलाम आजाद मेमोरियल पार्कक निरीक्षण कयलनि। मुख्यमंत्री निर्माण काजक समीक्षा कयलनि आ अधिकारीसभकेँ मौलाना आजादक जयन्तीसँ पहिने ११ नवम्बर धरि उद्यानकेँ पूरा करबाक निर्देश देलनि। निरीक्षणक दौरान मुख्यमंत्री कहलखिन कि मौलाना आजादक स्वतंत्रता संग्राममे योगदान, हुनकर व्यक्तित्व आ हुनकर योगदानसँ जुड़ल जानकारी सेहो पार्कक शिलापट्ट पर अंकित कयल जाय। जाहिसँ लोक हुनका बारेमे बेसीसँ बेसी जानी सकय।

मुख्यमंत्री एहि पार्कक पाछूक सड़कक सेहो मरम्मतिक निर्देश देलनि जाहिसँ आबय वाला लोककेँ कोनो तरहक असुविधाक सामना नहिं करय पड़य। एकर बाद मुख्यमंत्री नेहरू पार्क सेहो गेलाह आ ओतय व्यवस्थाक निरीक्षण कयलनि। ओ उद्यानक स्वच्छता आ रखरखाव पर जोर देलनि। निरीक्षणक बाद मुख्यमंत्री हार्डिंग रोड पर भगवान बिरसा मुण्डाक प्रतिमा स्थलक सेहो दौरा कयलनि आ ओतय व्यवस्थाक निरीक्षण सेहो कयलनि।

बिहारमे ११ नवंबरकेँ शिक्षा दिवस मनाओल जायत।
एकर बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मीडियासँ कहलनि जे ओ एतय भारत रत्न मौलाना अबुल कलाम आजादक योगदानकेँ उजागर करय लेल आयल छथि। ओ कहलनि, “मौलाना अबुल कलाम आजादक व्यक्तित्व आ योगदानकेँ हम सभ सदैव प्राथमिकता देलहुँ अछि। एतय हुनक प्रतिमा स्थापित कयल जायत आ लोक हुनक विषयमे जानि सकैत छथि। शिक्षाक क्षेत्रमे हुनक योगदानक सम्मानमे हम सब ११ नवंबरकेँ हुनकर जन्मदिन पर बिहारमे शिक्षा दिवस मनायब शुरू कयलौंह अछि।”

ओतहि, मुख्यमंत्री आगू कहलनि जे ई स्मारक पार्क हुनक विचार आ शिक्षाकेँ जनता धरि पहुँचेबाक माध्यम बनत आ हुनक सम्मानमे एकटा शक्तिशाली पहल होयत। निरीक्षणक दौरान मुख्यमंत्रीक संग प्रमुख सचिव दीपक कुमार, डॉ. एस. सिद्धार्थ, सचिव कुमार रवि, विशेष कर्तव्य अधिकारी डॉ. गोपाल सिंह, पटनाक जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह, आ पटनाक वरिष्ठ पुलिस अधीक्षक राजीव मिश्रा सहित अन्य वरिष्ठ अधिकारी उपस्थित छलाह। मुख्यमंत्री अधिकारी लोकनिक संग उद्यानक निर्माणक प्रगति आ गुणवत्तापर चर्चा कयलनि आ समयबद्धता पर जोर देलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *