चिराग पासवान २८ नवम्बरकेँ अपन पार्टीक स्थापना दिवस मनेताह, जे पटनाक गांधी मैदानमे होबय वाला छल, से आब अपन पिताक पुरान कार्यालयमे होएत।
पटनाक वन व्हीलर रोड पर लोक जनशक्ति पार्टीक कार्यालय पर आब चिराग पासवानक नव पार्टी एलजेपीआरक कब्जा भऽ गेल अछि। २०२१ मे पार्टी दू भागमे बँटि गेल छल आ पशुपति पारस कार्यालय पर कब्जा कऽ लेने छलथि, मुदा आब भवन निर्माण विभाग ओकरा खाली करवा देलक अछि। उच्च न्यायालय १३ नवम्बर धरि स्थान खाली करय केर आदेश देने छल, जकर बाद पशुपति कुमार पारस कार्यालय खाली कऽ देलनि आ भवन निर्माण विभाग ई कार्यालय चिराग पासवानक पार्टी लोक जनशक्ति पार्टी राम विलासकेँ देलक अछि।
चिराग पासवान शुक्र दिन एहि कार्यालय पहुँचलाह आ विधवत् पूजा सेहो कयलनि, मुदा भवन निर्माण विभागकेँ एहिमे किछु आओर काज करय केर अछि। विभाग तैयारी कए रहल अछि।सब तैयारीक बाद ई कार्यालय चिराग पासवानकें सौंपि देल जायत, मुदा सबसँ पैघ बात ई अछि जे चिराग पासवान अपन पार्टीक स्थापना दिवस २८ नवंबरक, जे पटनाक गांधी मैदानमे होबयवाला छल, से आब अपन पिताक पुरान कार्यालयमे करताह। जँ कहल जाय तऽ ४ सालक बाद चिराग पासवान एहि कार्यालयमे पार्टीक स्थापना दिवस मनयताह।
एहि बातकेँ लऽकऽ पार्टी कार्यकर्तामे खुशीक लहर अछि। कार्यकर्ता लोकनि कहलनि जे ई बहुत पैघ बात अछि जे एहि बेर हम सभ अपन पुरान कार्यालय आबि जायब आ स्थापना दिवस मनाओल जायत। यद्यपि पार्टी द्वारा एखनि धरि एकर घोषणा नहि कयल गेल अछि, मुदा ३ दिन पहिने पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष राजू तिवारीक माध्यमसँ पत्र जारी करैत सभ कार्यकर्ताकेँ सूचित कयल गेल जे पार्टीक स्थापना दिवसक अवसर पर २८ दिसम्बरकेँ पटनाक गांधी मैदानमे “बिहार प्रथम बिहारी प्रथम” महारैली स्थगित कयल जाइत अछि, बिहारमे पैक्स चुनाव २६ नवम्बर सँ ३ दिसम्बर धरि होबयवला अछि।
पत्रमे कहल गेल अछि जे पार्टी निर्णय लेलक अछि जे ‘बिहार प्रथम बिहारी प्रथम महारैली’क आयोजन बादमे कयल जायत। एकर जानकारी जल्दिये जारी होयबाक बात कहल जा रहल अछि, मुदा स्थापना दिवस कतऽ मनाओल जायत एहि पर चर्चा तेज भऽ गेल अछि आ कार्यकर्ता लोकनि इहो कहलनि अछि जे नव पार्टी एलजेपीआरक कार्यालयमे स्थापना दिवस मनयबाक बेसी संभावना अछि, मुदा एकरा लेल प्रदेश अध्यक्ष आधिकारिक रूपसँ जानकारी देताह।