समारोह

‘चौकठिसँ चान दिसि’क लोकार्पण समारोह भव्यतापूर्वक सम्पन्न

सहरसा समदिया
*

विगत मंगलदिन सुपौलक सदर अस्पताल परिसर स्थित इण्डियन रेडक्रॉस सोसाइटी सभागारमे युवा कवयित्री दीपिका चन्द्राक हाल प्रकाशित पहिल पोथी ‘चौकठिसँ चान दिसि’क भव्य लोकार्पण समारोह आयोजित कयल गेल। जनतब दैत चली जे उक्त पोथीक प्रकाशन सुपौलक प्रसिद्ध संस्थान किसुन संकल्प लोक द्वारा कयल गेल अछि।कोसी आर्गेनाइजेशन द्वारा आयोजित एहि पोथी लोकार्पण समारोहक अध्यक्षता कयलनि मैथिलीक प्रसिद्ध साहित्यकार डा. महेन्द्र, आ मुख्य अतिथिक रूपमे नगर परिषदक अध्यक्ष राघवेन्द्र झाक उपस्थिति रहनि।

एहि अवसर पर मंचस्थ छलाह साहित्यकार अरविन्द ठाकुर, अवकाशप्राप्त भा. प्र. से. अधिकारी श्यामलकिशोर पाठक, जिला एथलेटिक्स संघक सचिव सर्वेश झा , संस्कृति मिथिलाक अध्यक्ष रामकुमार सिंह आ इण्डियन रेडक्रॉस सोसाइटी, सुपौलक अध्यक्ष डा. कन्हैया सिंह । हिनका लोकनि द्वारा संयुक्त रूपसँ दीप प्रज्वलित करैत कार्यक्रमक उद्घाटन कयल गेल। आगत अतिथि लोकनिकें समाजसेवी रामकुमार चौधरी आ शरद मोहनका द्वारा पाग आ दोपटासँ स्वागत कयल गेलनि ।

कार्यक्रमक आरम्भमे दीपिका चन्द्रा द्वारा स्वागत भाषण देल गेल आ तकर बाद लेखक – उद्घोषक किसलय कृष्णक संचालनमे कार्यक्रम आगू बढ़ल। विमोचित पोथी पर अपन विचार प्रकट करैत लेखक डा. धर्मव्रत चौधरी कहलनि जे ‘चौकठिसँ चान दिसि’ पढ़ैत कतेको नीक अनुभव भेटल, जाहिमे मैथिलीक हेराइत शब्द सभकें सहेजबाक काज कयलनि अछि कवयित्री । ओ कहलनि जे कविता सहमे दीपिकाक संघर्ष आ विचार स्पष्ट परिलक्षित होइत अछि । युवा कवि विक्रमादित्य दीपिका चन्द्राक पहिल पोथीक लोकार्पण पर बधाई दैत कहलनि जे एक संग विभिन्न मोर्चा पर सक्रिय एहि कवयित्रीसँ नवतुरिया सभकें सीख लेबाक बेगरता अछि।तहिना कथाकार आ समीक्षक आशीष चमन ‘चौकठिसँ चान दिसि’क किछु कविताकें रेखांकित करैत कवयित्रीकें बधाई देलनि।

सहरसासँ पहुँचल संस्कृति मिथिलाक उपाध्यक्ष पं. तरुण झा मैथिली पोथी कीनिकय पढ़बाक अपील करैत लोकार्पित पोथीक पहिल ग्राहक बनलाह आ तकर फलस्वरूप ‘चौकठिसँ चान दिस’क दर्जनभरिसँ बेसी पोथी समारोहमे बिकाएल।
एहि अवसर पर साहित्यकार अरविन्द ठाकुर , रामकुमार सिंह, सर्वेश झा , संजय कुमार , सूरज सिंह नालवा , शरद मोहनका , केशव अग्रवाल, शिम्मर फिल्म्स इण्टरनेशनलक निर्देशक सुमित सुमन आदि सेहो सम्बोधित कयलनि । अपन सम्बोधनक क्रममे रामकुमार चौधरी सुपौलमे मिथिला महोत्सव आयोजित करबाक प्रस्ताव रखलनि, जकरा सभक समर्थन भेटल। डा. कन्हैया सिंह कतेको संस्मरण सुनबैत जिला मुख्यालयमे मैथिली पुस्तकालयक बेगरताकें रेखांकित कयलनि।

एहि अवसर पर स्थानीय महिला कालेजक प्रो. रागिनी सिन्हा, बीएसएस कालेजक डा. रेणु कुमारी, कवयित्री अंजु झा, इवनिंग कालेज सहरसाक डा. संजय वशिष्ठ, राजेश कुमार मल्लिक आदि उपस्थित रहलाह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *