लोकसभा चुनावमे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) केँ २९३ सीट भेटल। नरेन्द्र मोदी राजगक नेता चुनल गेलाह। सभ घटक दल अपन समर्थनक पत्र जमा कऽ देने अछि। आब मोदी तेसर बेर प्रधानमंत्रीक शपथ लेताह। ओना, हुनक शपथग्रहण समारोहक तिथिकेँ लऽ कऽ भ्रम अछि। कहल जा रहल अछि जे प्रधानमंत्री पदक शपथ ग्रहण समारोहक तारीखमे बदलाव कएल गेल अछि। आब मोदी तेसर बेर ९ जूनकेँ साँझ ६ बजे भारतक प्रधानमन्त्रीक रूपमे शपथ लेताह। पहिने ई आयोजन ८ जूनकेँ निर्धारित छल। ई दावा मीडिया रिपोर्टमे कएल गेल अछि। शपथ ग्रहण समारोहकेँ भव्य बनयबाक तैयारी पहिनेसँ शुरू भऽ चुकल अछि। विदेशी मेहमान आमंत्रित कएल जा रहल छथि।
शपथ ग्रहण समारोहसँ पहिने मोदी बुधदिन राष्ट्रपति मुर्मूकेँ अपन त्यागपत्र सौंपि देलनि।
राष्ट्रपति नरेन्द्र मोदी आ हुनक मन्त्रीसभक इस्तीफा स्वीकार कऽ लेलनि आ नव सरकारक गठन धरि कार्यवाहक प्रधानमन्त्री बनल रहबाक अनुरोध सेहो कयलनि।
एक दिन पहिने एनडीए सर्वसम्मतिसँ नरेन्द्र मोदीकेँ अपन नेता स्वीकार कयलक। बुधदिन नई दिल्लीमे आयोजित एकटा बैसारमे राजगक २१ नेता मोदीकेँ अपन नेता मानैत एकटा पत्रपर हस्ताक्षर कयलनि। एहिसँ नरेन्द्र मोदीक लेल एक बेर फेर प्रधानमन्त्री बनबाक मार्ग साफ भऽ गेल अछि। बैसारमे सभ नेता प्रधानमंत्री मोदीकेँ पछिला १० सालक कार्यकाल आ देशक विकास काजक लेल बधाई देलनि।
भारत निर्वाचन आयोग मंगलदिन लोकसभा २०२४क चुनावक परिणामक घोषणा कयलक। एहिमे भाजपा सबसँ बेसी २४० सीटपर छल, तकर बाद कांग्रेस ९९ सीटक सङ्ग दोसर स्थान पर छल। मुदा, भाजपा पछिला बेरक तुलनामे एहि चुनावमे ३२ सीट हारि चुकल अछि। २०१४ केर बाद ई पहिल बेर छल जखन भाजपाकेँ पूर्ण बहुमत नहिं भेटल।