मिथिला क्षेत्रीय बिहारक बेगूसरायसँ दिल्ली जा रहल एकटा निजी स्लीपर एसी बस (बस नंबर यूपी17 एटी 6372) लखनऊ- रायबरेली रोड, मोहनलालगंजक ऊपर लखनऊ केर किसान पथ पर शार्ट सर्किटक कारण आगि लागि गेल। आगि लगलाक बाद बस करीब एक किलोमीटर धरि चलैत रहल। चालक आ कंडक्टर तुरंत बस छोड़ि भागि गेल। बसमे बैसल यात्रीकेँ पुलिस आ आम लोकक मददिसँ कांच तोड़ि कs बाहर निकालल गेल।
दमकलक गाड़ि करीब आधा घंटामे आगि पर काबू पाबि लेलक। दमकलकर्मी जखनि बसक अंदर गेलथि तs पांच लोकक शव भेटल। एहि दुर्घटनामे अशोक महतोक पत्नी आ बेटीक मृत्यु भs गेलनि। परिवारक लोक सूचना भेटिते बेहोश भs गेल।
प्राप्त जानकारीक अनुसार मौका पर पहुंचल फायर ब्रिगेड आधा घंटाक भीतर आगि पर नियंत्रण कs लेलक। पुलिस जांचमे पता चलल जे बसक इमरजेंसी गेट नहि खुजल जाहि कारण पाछुक सीट पर बैसल लोक बसमे फंसि गेल। बसमे आगि लगलाक बाद आगिक लपट एतेक ऊँच तक गेल जे एक किलोमीटर तकक लोक एकरा देखलक, पूरा इलाका धुँआसँ भरल छल।
बताओल जा रहल अछि जे बेगूसराय निवासी मधुसूदन सेहो ओही बसमे दिल्ली जा रहल छलाह। दुर्घटनामे जिंदा जरि गेलाक बाद हुनकर मृत्यु भs गेल। मुदा मधुसूदनक बारेमे कोनो खास जानकारी उपलब्ध नहि अछि, बताओल जा रहल अछि जे बेगूसराय जिलाक बखरी अनुमंडल बस स्टैंड लगसँ ई बस रोज दिल्ली लेल खुलैत अछि। बुधदिन सेहो ई बस दिल्ली लेल रवाना भेल। बृहस्पतीदिन भोरमे लखनऊ केर समीप दुर्घटनाग्रस्त भेल।
एकर बाद बेगूसरायमे जहिना ई खबरि पसरल, जिलामे सनसनी पसरल। लोक अपन रिश्तेदारकेँ दिल्ली जेबाक बारेमे विभिन्न तरहसँ सोशल साइट पर जानकारी जुटाबय लगलाह, संगहि, ओ सब पहिचान करय लगलाह जे एहिमे बेगूसरायक लोक सेहो घायल भेल छथि कि नहि ?
हालांकि, स्थानीय स्तर पर जानकारी जुटेबाक प्रयास भेल, मुदा बखरीमे कोनो ट्रैवल एजेंट एहि बारेमे पुष्टिक जानकारी नहि दs सकल। लोक चुपचाप लहजामे कहैत छथि जे बेगूसरायक बहुत रास बस स्टैंडसँ दूर-दूर तक जाय वाला बस निकलैत अछि, जाहिमे परिवहन विभागक नियम-कानूनक पालन नहिं कएल जाइत अछि, एहि कारणसँ एहि दुर्घटनाक बाद एजेंट खुलि कए बाजि नहि पाबि रहल अछि।