पर्यावरण

जानकी नवमीक अवसर पर समारोह पूर्वक कयल गेल वृक्षारोपण

राजनगर समदिया
*

जानकी नवमीक अवसर पर राजनगर प्रखंड अंतर्गत परिहरपुर ग्रामवासी द्वारा वृक्षारोपणक एकटा अलग नजारा पेश कयल गेल।
ढोल नगाड़ाक सँग शिक्षक रवींद्र झा, साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित कथाकार ऋषि वशिष्ठ, पंचायतक मुखिया हीराकांत मिश्र, सरपंच रामानन्द झा, लेखक राधेश्याम झा, पंडित शिवानन्द मिश्र, हरि शंकर झा, बबलू मिश्र, हीरेंद्र झा, भाजपा नेता एवं मानव कल्याण एजुकेशनल एंड चैरिटेबल ट्रस्टक संस्थापक सचिव राजीव झा, अवकाश प्राप्त बीमा पदाधिकारी एवं कथाकार रेवतीरमन झा, प्रसिद्ध रंग कर्मी रमन जी मिश्रा, प्रसिद्ध उद्घोषक कमलेश कुमार गुड्डू , डॉक्टर उग्रनाथ झा, विजयकांत कुमार, शिक्षक बवन झा ,राजेंद्र चौरसिया, शिक्षक रामविलास साहू, संजय झा, शीबीपट्टीक शिक्षक सरोज ठाकुर, रामनंदन पासवान, फूल बाबू पाठक, दिलचंद सदई, तेलियादेवी सहित अन्य लोक परिहरपुर एसएसबी कैंपक कातमे कचरा प्रबंधन हाउसक प्रांगणमे वटवृक्ष लगौलनि। नव रोपल गेल वृक्षक नाम जानकी वटवृक्ष राखल गेल। एहिसँ पहिने परिहरपुर मध्य विद्यालय प्रांगणमे जानकी नवमीक अवसर पर माता जानकीक चित्र पर सभ गोटे पुष्पांजलि अर्पित कयलनि आ ओहि ठामसँ गाजा बाजाक संग बट वृक्षकेँ लऽ कऽ भरि रास्ता उत्सव मनवैत वृक्षारोपण कयल गेल। एहि अवसर पर शिक्षक रवींद्र झा कहलनि जे कि बट वृक्ष एकटा एहन वृक्ष अछि जे भारी मात्रामे सूर्यक रोशनी जे तेज भऽ रहल अछि। वृक्षक संख्या बढ़त तऽ ऑक्सीजन उत्सर्जन अधिकसँ अधिक होयत आ लोक सभकेँ छायाक सँग-सँग शुद्ध हवा भेटत । एहि क्रममे पंडित शिवानंद मिश्रा द्वारा मंगलाचरण वेद पाठक सँग प्रसाद चढ़ाकय वटवृक्षक पूजा कयल गेल। ओतहि सदाय समाजसँ आबयवाली महिला बहिन तिलिया देवी धूप अगरबत्ती जराकय वृक्षक पूजा कयलनि आ आगंतुक सभ ग्रामीण द्वारा ओहि वृक्षकेँ तिलिया देवीक कोरा केर रूपमे दऽ देल गेल। तिलिया देवी ओहि वृक्षकेँ कोरामे लैत कहलनि, जाहि प्रकार हम पुत्र और पुत्रीक सेवा करैत छी ओहिना एहि वृक्षक सेवा करब। ऋषि वशिष्ठ बतौलनि, जे समाज अपन संस्कृति आ धर्मसँ कटि गेल। ओहि समाजकेँ नहिं तऽ कोनों सम्मान होइत अछि नहिं कोनो स्थान होइत अछि। हीराकांत मिस्र सभ गोटेकेँ धन्यवाद दैत जानकी वृक्ष लिख कय एक टा शिलापट लगैबाक घोषणा कयलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *