कृषि

केंद्र सरकार एमएसपी पर ६ लाख मीट्रिक टनसँ बेसी किनलक दालि

नई दिल्ली
*

केंद्र सरकार २०२३-२४ रबी मौसममे एमएसपी पर ६.४१ लाख मीट्रिक टन दालि किनलक अछि, आ एकरा लेल २.७५ लाख किसानकेँ ₹४,८२० करोड़क भुगतान कयल गेल अछि। ई जानकारी बुधदिन कृषि आ किसान कल्याण मंत्रालय द्वारा देल गेल। किसानसभसँ कीनल गेल दालिमे २.४९ लाख मीट्रिक टन मसूर, ४३,००० मीट्रिक टन बूट, आ ३.४८ लाख मीट्रिक टन हरिअर चना सम्मिलित अछि।

एकर अतिरिक्त, सरकार ५.२९ लाख किसानसँ ₹६,९०० करोड़मे एमएसपी मूल्यपर १२.१९ लाख मीट्रिक टन तिलहन किनलक अछि।

सरकार आगू कहलक जे चालू खरीफ मौसमक प्रारम्भमे सोयाबीनक बाजार मूल्य एमएसपीसँ काफी कम छल, जाहिसँ किसानसभ लेल काफी समस्या उत्पन्न भेल। पीएसएस योजना (पीएम आशा योजनाक एकटा घटक)क अन्तर्गत केन्द्रीय हस्तक्षेपसँ एहि साल ११ दिसम्बर धरि ₹२,७०० करोड़क एमएसपी मूल्यपर ५.६२ लाख मीट्रिक टन सोयाबीनक खरीद भेल अछि, जाहिसँ २.४२ लाख किसान लाभान्वित भेल छथि। एखनि धरि खरीदल गेल सोयाबीनक ई सबसँ बेसी मात्रा सेहो अछि।

२०१८-१८क खरीदक आंकड़ासँ पता चलैत अछि जे केंद्र सरकारक प्रधानमंत्री अन्नदाता आय संरक्षण अभियान (पीएम-आशा) योजनाक अन्तर्गत एमएसपी मूल्यपर १०.७४ लाख करोड़ टाकाक लगभग १९५.३९ लाख मीट्रिक टन दालि, तिलहन आ गरीक खरीद कयल गेल अछि। एहिसँ 99.3 लाख किसान लाभान्वित भेल छथि।

सरकार आगू कहलक जे पीएम आशाक एकटा महत्वपूर्ण घटक बाजार हस्तक्षेप योजना (एमआईएस) अछि। ई योजना टमाटर, प्याज, आ आलू सन खराब होबयवला फसिलक लेल अछि। एकरा राज्य/केंद्र शासित प्रदेश सरकारक अनुरोधपर लागू कयल जाइत अछि जखनि राज्य/केन्द्र शासित प्रदेशमे पछिला सामान्य मौसमक दरक तुलनामे बाजार मूल्यमे कमसँ कम १० प्रतिशतक गिरावट आबैत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *