आरएसएस आइ पश्चिम बङ्गालमे एकटा महिला चिकित्सकक कथित बलात्कार आ हत्याक निन्दा कयलक आ एकरा “बहुत दुर्भाग्यपूर्ण” बतओलक।
राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) जाति जनगणना आ महिला सुरक्षाक मुद्दा पर एकटा पैघ बयान देलक अछि। जाति जनगणनाक मुद्दा पर आरएसएसक अखिल भारतीय प्रचार प्रमुख सुनील आंबेकर कहलनि जे हिन्दू समाजमे जाति आ जातिक सम्बन्ध संवेदनशील विषय अछि। ई हमर राष्ट्रीय एकता आ अखण्डताक लेल एकटा महत्वपूर्ण विषय अछि। अतः एकरा मात्र चुनाव वा राजनीतिक चश्मासँ नहिं देखबाक चाही। आरएसएसक राष्ट्रीय समन्वय सम्मेलनक समापनक बाद एकटा संवाददाता सम्मेलनकेँ सम्बोधित करैत सुनील आंबेकर कहलनि, “कल्याणकारी योजनाक लेल कखनो काल संख्याक आवश्यकता होइत अछि। सरकारकेँ संख्याक जरूरत अछि। पहिने सेहो लेल गेल अछि। मुदा ई मात्र ओहि जातिक कल्याणक लेल हेबाक चाही। चुनावमे एकरा राजनीतिक हथियारक रूपमे उपयोग नहिं करबाक चाही।
राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (आरएसएस) आइ पश्चिम बङ्गालमे एकटा महिला चिकित्सकक कथित बलात्कार आ हत्याक निन्दा कयलक आ एकरा “बहुत दुर्भाग्यपूर्ण” बतओलक। आंबेकर कहलनि जे अत्याचारक शिकार महिलासभकेँ शीघ्र न्याय सुनिश्चित करबाक लेल कानून आ दंडात्मक कारवाईक समीक्षा करबाक आवश्यकता अछि। ओ कहलनि जे बैसारमे कोलकाताक घटना पर विस्तारसँ चर्चा कयल गेल। आंबेकर कहलनि जे ई एकटा “बहुत दुर्भाग्यपूर्ण घटना” छल आ “सभगोटे एकरा लेल चिन्तित छथि”।
ई उल्लेख करैत जे देशमे एहने घटना बढ़ि रहल अछि, ओ कहलनि जे बैसारमे सरकारक भूमिका, आधिकारिक तंत्र, कानून, दंडात्मक कारवाई आ प्रक्रियापर चर्चा कयल गेल। आंबेकर कहलनि, “हुनका (बैसारमे उपस्थित लोकनि) लगैत अछि जे एहि सबपर फेरसँ विचार करबाक आवश्यकता अछि ताकि हमरा लग उचित प्रक्रिया, फास्ट ट्रैक प्रक्रिया उपलब्ध होय आ हम पीड़िताकेँ न्याय सुनिश्चित कऽ सकी।