मधुबनी जिलामे भयंकर आगि लगलासँ लाखो रुपयाक क्षति भेल अछि, एहि घटनामे ३० गोट बकरी सेहो जरि गेल अछि। ई घटना मधुबनी जिलाक रहिका थाना क्षेत्रक जिबछ चौक लगक अछि। जतए मोमबत्ती बनाबए वला कारखानामे आगि लागल। जानकारी अनुसार आगिसँ भेल क्षति लगभग ३० लाख होयबाक अनुमान अछि।
घटनाक सूचना भेटलाक किछु घंटाक बाद अग्निशमन दल आ कर्मीक मेहनतक बाद आगि पर काबू पाबि लेल गेल। मोमबत्ती कारखानाक मालिक सुनील कुमार कहलनि जे आगि लगबाक कारण ३० गोट बकरी सहित लगभग ३० लाख रुपयाक क्षति भेल, आ ओकर बगलमे ठाढ़ जेसीबी मशीन पूर्ण रूपसँ जरिक खाक भs गेल। एहि घटनामे एखन धरि कोनो लोकक हताहत होयबाक सूचना नहिं अछि।
जेसीबीक मालिक हरिश्चन्द्र यादव कहलनि जे किछु दिन पहिने ओ जेसीबी किनने छलाह, जकरा उक्त स्थान पर रास्ता बनेबाक लेल राखल गेल छल। आगि लगलाक कारण ई पूर्ण रूपसँ जरि गेल अछि। आगि लगलाक बाद अग्निशमन दलक सभ नम्बर बंद पाओल गेल। फोन कऽ लोक परेशान भऽ गेलाह, मुदा केकरो नंबर नहिं भेटल, जखनि डीएसपी संजय कुमारकेँ सूचित कयल गेल तखनि तत्काल एकटा छोट गाड़ी आबि गेल। आधा घंटा बाद एकटा पैघ अग्निशमक गाड़ी अयलाक बाद आगि पर काबू पाबि लेल गेल। आगि लगलासँ दुनू दिससँ अस्पतालक मरीजमे अफरा तफरीक माहौल उत्पन्न भs गेल छल।