सुरक्षा

अंतरराष्ट्रीय मानवाधिकार दिवसक अवसर पर कैंडल जराकय मानव अधिकारक रक्षाक शपथ

बेनीपुर समदिया
*

अंतरराष्ट्रीय मानवाधिकार दिवसक अवसर पर बेनीपुर न्यायालय परिसरमे न्यायिक पदाधिकारी , अधिवक्ता आ न्यायिकककर्मी सभ कैंडल जराकय मानव अधिकारक रक्षा करबाक शपथ लेलन्हि । कार्यक्रम केर संबोधित करैत जिला आ अपर सत्र न्यायाधीश द्वितीय ऋषि गुप्ता कहलन्हि जे मानव केर अधिकारक रक्षा सिर्फ सरकारक जिम्मेदारी नहि थीकैक । आम नागरिककेँ सेहो अपन समाज आ आसपास ऐहन व्यवहार करबाक चाही जाहिसँ कि मानव मात्रक सम्मान होई । ककरो ई नहि बुझना जाई जे ओकर सम्मान नहि भऽ रहल छैक ।

एसीजेएम संगीता रानी कहलनि जे न्यायालयमे आबयवला पक्षकार सबहक संग सेहो ऐहन बर्ताव कयल जयबाक चाही जाहिसँ ओकर मानवाधिकारक सम्मान होइत होई । ओतहि दोसर दिसि उपकारामे बंदी सभकेँ संबोधित करैत एसडीजेएम अनुराग तिवारी कहलन्हि जे काराधीन बंदी सबहक मानवाधिकार सेहो संरक्षित कयल गेल अछि । बंदी सबहक संग कियो रंग भेद , जाति , धर्मक आधार पर भेदभाव नहि कऽ सकैत छथि। बंदी सभकेँ उचित भोजन , आवासन , चिकित्सा , शिक्षा , निःशुल्क विधिक सेवा आदि देल जायत ।

सिविल जज जूनियर डिविजन रोहित कुमार गुप्ता बंदी सभकेँ संबोधित करैत कहलनि जे बंदी सभ अपन समस्यासँ जेल प्रशासनकेँ अवगत कराउ । सही निदान नहि भेला पर जिला विधिक सेवा प्राधिकार या फेर संबंधित न्यायालय केर लिखितमे जानकारी दियौ । कार्यक्रममे प्रो बोनो अधिवक्ता मो० हैदर अली बंदी सभकेँ बंदी सबहक अधिकारक विषयमे विस्तारसँ बतौलनि । मौका पर जेलर रत्नेश कुमार राय, प्राधिकार सहायक कुमार गौरव, पीएलवी नितीश कुमार राम आदि मौजूद छलाह।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *