बिहारक चारिटा विधानसभा सीटक उपचुनाव १३ नवम्बरकेँ होयत। शनि दिन बेलागंज आ इमामगंजसँ प्रशांत किशोर
उम्मीदवारक नामक घोषणा कएलनि। एम्हर पप्पू यादव प्रशांत किशोर आ हुनकर टीम पर पैघ हमला कयलनि अछि।
बिहारमे चारिटा रिक्त विधानसभा सीट पर उपचुनाव होयत। मतदान १३ नवंबरकेँ होएत। आब बिहारक राजनीतिमे एकटा आओर नव पार्टी प्रवेश कयलक अछि। चुनाव रणनीतिकार प्रशांत किशोरक पार्टी जन सुराज सेहो बिहारमे उपचुनावमे उम्मीदवारक रूपमे देखल जायत। बिहारमे बेलागंज, इमामगंज, रामगढ़ आ तारारी सीट पर उपचुनाव होएत। प्रशांत किशोर शनिदिन बेलागंज आ इमामगंजसँ अपन उम्मीदवारक नामक घोषणा कयलथि। एम्हर निर्दलीय सांसद पप्पू यादव जन सुराज पार्टीक प्रमुख प्रशांत किशोर पर पैघ हमला कयलनि अछि।
पप्पू यादव प्रशांत किशोर आ हुनकर टीम पर पैघ आरोप लगौलनि अछि। पूर्णियाक सांसद कहलनि, “सभ डाकू आईएएस, आईपीएस केर कोर टीम कहल जा रहल अछि। बहुतो लोककेँ सामाजिक ज्ञान नहिं अछि। ओ सोचैत छथि जे सब किछु पाइ अछि। ओ सभ बिहारक बारेमे किछु नहि जनैत छथि। सेवानिवृत्त लोककेँ बैसा कऽ कहि रहल छथि जे हम क्रांति आनब, अगर अहां क्रांति आनय चाहैत छी तऽ भ्रष्टाचार बंद करू, आधार कार्ड पर नंबर अछि, तकरा बदलि कऽ देखू। बाढ़िक समय अहाँ कतए छलहुं ? बाढ़िक दिन अहाँ पार्टी बना रहल छलहुँ आ गाँधी जयन्ती पर अहाँ कहि रहल छलहुँ जे अहाँ शराब शुरू कय देब, की अहाँ लाजसँ मरि नहिँ गेलहुँ ? पहिने जहरीला दारू बंद करू आ ५१ गोटेकेँ पाइ दियौ। ओ सभ अरबों टाकाक टूर पर जाइत छथि आ हुनका लग पाइ नहि अछि।”