देश-दुनिया

एलन मस्कक एक्स पर ब्राजीलक सुप्रीम कोर्ट प्रतिबंध रखलक जारी

नई दिल्ली
*

ब्राजीलक सर्वोच्च न्यायालय देशमे सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर प्रतिबन्ध लगयबाक एकल न्यायाधीशक पीठक फैसलाकेँ सर्वसम्मतिसँ बरकरार रखलक अछि। ई जानकारी अदालतक वेबसाइट द्वारा साझा कयल गेल अछि।

ब्राजीलमे एक्स पर प्रतिबन्ध पर सर्वोच्च न्यायालयक सुनवाई ऑनलाइन भेल छल। फैसला पर मतदान करयवला पीठमे पूर्ण पीठक ११ न्यायाधीशमेसँ पाँच गोटे शामिल छलाह। ओहिमे जज डी मोरेस सेहो छलाह। वास्तवमे, व्यवसायी एलन मस्क आ हुनकर समर्थक न्यायाधीश अलेक्जेंडर डी मोरेसकेँ एकटा एहन व्यक्तिक रूपमे प्रस्तुत कऽ रहल छलाह जे ब्राजीलमे राजनीतिक भाषण पर सेंसर लगाबय पर तुलल छथि।

न्यायाधीश मोरेस शुक्रदिन स्थानीय कानूनी प्रतिनिधिक नाम बतयबासँ मना करबाक कारणेँ एक्सकेँ ब्राजीलमे ब्लाॅक करबाक आदेश देने छलथि। जानकारीक अनुसार, आब एक्स ताबत धरि प्रतिबंधित रहत जाबत धरि ओ अदालतक आदेशक पालन नहिं करैत अछि आ बकाया जुर्मानाक भुगतान नहिं करैत अछि। बकाया जुर्मानाक राशि ३० लाख अमेरिकी डॉलरसँ बेसी अछि।

पछिला सप्ताह न्यायाधीश डी मोरेस अपन फैसलामे कहने छलथि जे एलन मस्क ब्राजीलक संप्रभुता आ विशेष रूपसँ न्यायपालिकाक प्रति “पूर्ण अनादर” देखौलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *