ब्राजीलक नौसेना कमांडर एडमिरल मार्कोस सैम्पाइयो ओलसेन काल्हि बुधकेँ नई दिल्लीमे भारतीय नौसेना प्रमुख एडमिरल दिनेश के त्रिपाठीसँ भेंट कयलनि। दुनू नौसेना प्रमुख परिचालन गतिविधि, तकनीकी सहयोग, प्रशिक्षण, सहित अन्य विभिन्न पहलू पर चर्चा कयलनि। ब्राजीलक नौसेना कमांडर ओलसेन १९ सँ २४ अगस्त धरि भारतक आधिकारिक यात्रापर छथि।
एहि यात्राक उद्देश्य दुनू देशक बीच समुद्री सहयोग बढ़ायब अछि। एडमिरल ओलसेन १९७९ मे नौसेनामे शामिल भेलाह आ १९८२ मे हुनका नौसेना गार्ड घोषित कयल गेल। भारतीय नौसेना विभिन्न पहलक माध्यमसँ ब्राजीलक नौसेनाक सङ्ग सहयोग करैत अछि जाहिमे परिचालन बातचीत, प्रशिक्षण सन विषय सम्मिलित अछि।
दुनू देशक नौसेना मिलन आ आईबीएसएएमएआर सन बहुपक्षीय मंचपर सेहो एक सङ्ग आबैत रहल अछि। अपन आधिकारिक कार्यक्रमक हिस्साक रूपमे ब्राजीलक नौसेना प्रमुखक दिल्लीमे रक्षा सचिव, राष्ट्रीय समुद्री सुरक्षा समन्वयक आ उप सेना प्रमुखसँ सेहो भेंट करबाक कार्यक्रम अछि। एहि यात्राक क्रममे ओलसेन गुरुग्राममे आईएफसी-आईओआरक सेहो दौरा करताह। ओ मझगांव डॉक शिपबिल्डर्स लिमिटेड आ विभिन्न रक्षा उद्योगक प्रतिनिधिसभक सङ्ग सेहो बातचीत करताह।