बिहार लोक सेवा आयोग ओहि शिक्षककेँ सख्त निर्देश देलक अछि जे स्कूल आबि कक्षामे पढ़ाबय लेल उपस्थित नहिं होइत छथि। जारी सूचनाक अनुसार, जे शिक्षक ड्यूटीक समय उपस्थित नहिं रहैत छथि हुनका चेतावनी देल गेल अछि।
बिहार लोक सेवा आयोग एहेन शिक्षकक लेल चेतावनी जारी कयलक अछि जे स्कूल आबि अपन एटेंडेंस लगाबैत छथि, मुदा स्कूलमे कक्षाक संचालनक समय उपस्थित नहिं होइत छथि। बिहार लोक सेवा आयोग शिक्षक सभक एहि लापरवाही लेल एहन करय बला सभ शिक्षककेँ चेतौनी देलक अछि।
मंगल दिन अधिसूचना जारी करैत बिहार लोक सेवा आयोग एहि बिन्दु पर स्पष्टीकरण देलक अछि। लोक सेवा आयोग द्वारा नियुक्त सभ शिक्षक, प्रधानाध्यापक आ नियोजित शिक्षककेँ सूचित कयल जाइत अछि जे विभागकेँ एहन सूचना भेटल अछि जे विद्यालयमे किछु शिक्षक छथि जे भोरे आबि उपस्थित भऽ कऽ चलि जाइत छथि। तखन स्कूल छोड़बासँ पहिने ओ सभ फेरसँ स्कूल अबैत छथि आ बाहर निकलबाक लेल उपस्थिति दैत छथि, एकर सभ जानकारी मोबाइल लोकेशनक माध्यमसँ विभागकेँ उपलब्ध अछि। आयोग शिक्षकसभकेँ एहन काज नहिं करबाक सूचना देलक अछि, अन्यथा प्रधानाध्यापक सहित ओहि शिक्षकक एक सप्ताहक वेतन काटि देल जायत। ओतहि एकटा आओर अधिसूचना जारी करैत बिहार लोक सेवा आयोग फर्जी सूचनाक खिलाफ चेतावनी देलक अछि।
आयोगक अपर सचिव सह परीक्षा नियंत्रक शिक्षा विभागक एसीएसकेँ सूचित करैत जारी अधिसूचनामे स्पष्ट कयलनि अछि जे विभिन्न सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म पर अधोहस्ताक्षरीक नाम आ हस्ताक्षरसँ फर्जी आ आवश्यक सूचना प्रसारित कयल जा रहल अछि।
एहि मामिलामे गलत ढ़ंगसँ उपस्थिति दर्ज करब आ हुनकर वेतनमे कटौती संबंधी सूचना देल जा रहल अछि। अतः एहि सम्बन्धमे कहल जाइत अछि जे आयोग द्वारा कोनो सूचना अपन वेबसाइटक माध्यमसँ प्रकाशित कयल जाइत अछि। वर्तमानमे जारी कयल गेल सूचना अधोहस्ताक्षरीक स्तर पर प्रकाशित नहिं कयल गेल अछि।