नाव पर चालक दलक पाँच सदस्य सहित कुल 114 यात्री सवार छल। बुधदिन मुम्बई तट पर नीलकमल नामक एकटा नौका पलटि गेलासँ 13 यात्रीक जान चलि गेल आ 101 गोटेकेँ बचा लेल गेल। जाहिमे तीन गोटे चालक दलक सदस्य छल।
भारतीय नौसेनाक चारि टा हेलीकॉटर आ तटरक्षक बल द्वारा अभियानमे शामिल भेलाक बाद बचाव अभियान किछु घंटाक बाद समाप्त भेल। जनतब अछि जे नौका मुम्बई लग एकटा लोकप्रिय पर्यटन स्थल एलिफेंटा द्वीपक लेल जा रहल छल, तखनि साँझ लगभग 03.55 बजे एकटा स्पीड बोटसँ ओहिमे टक्करक बाद ई पलटि गेल। घटना गेटवे ऑफ़ इंडिया, मुंबई लग बुचर आयरलैंड लग दिन के 03:55 बजे भेल।
एकटा प्रेस वार्ताकेँ संबोधन करैत महाराष्ट्रक मुख्यमंत्री कहलनि जे हमारा लग सांझुक साढ़े सात बजे तकक जानकारी अछि। एखन धरि 101 लोककेँ बचा लेल गेल अछि आ 13 गोटेक मृत्यु भऽ चुकल अछि।
नौसेना आ तटरक्षक बल एकटा व्यापक बचाव अभियान शुरू कयलक, जाहिमे नौसेनाक 11टा नाव, तीनटा समुद्री पुलिसक नाव आ एकटा तटरक्षक जहाज तैनात कयल गेल। एकर अतिरिक्त, चारिटा हेलीकॉप्टर खोज आ बचाव प्रयासमे सहायता कयलक। एहि अभियानमे पुलिस, जवाहरलाल नेहरू बन्दरगाह प्राधिकरणक कर्मी आ स्थानीय मछुआरा सेहो शामिल छलाह, जे बचाव अभियानमे तेजी अनबाक लेल अथक प्रयास कय रहल छलथि।