सीएम साइंस कॉलेजक राष्ट्रीय सेवा योजना इकाई आ एचडीएफसी बैंक केर संयुक्त तत्वावधानमे वृहस्पतिदिन एकदिवसीय रक्तदान शिविरक आयोजन कयल गेल। एहि शिविरक विधिवत उद्घाटन महाविद्यालयक प्रधानाचार्य प्रो. दिलीप कुमार चौधरी फीता काटि कऽ कयलनि। अपन संबोधनमे ओ कहलनि जे रक्तदान सामाजिक सौहार्द्रक उत्कृष्ट उदाहरण अछि। कारण रक्त कोनो जाति, धर्म वा अन्य विभेदसँ परे होइत अछि। स्वास्थ्य लाभ लेल ई ककरो द्वारा ककरो प्रदान कयल जाइत अछि, जाहिमे जाति आ धर्म कोनो माने नहि रखैत अछि।
एहि रक्तदान शिविरमे तकरीबन एक दर्जनसँ बेसी छात्र-छात्रा उत्साह पूर्वक अपन रक्तदान कयलनि। खास बात ई जे छात्र केर अनुपातमे छात्राक संख्या बेसी रहल। रक्तदान केनिहारमे मो. आशु, कंचन कुमारी, सानिया परवीन, आरफा नेयाज, प्रिंस प्रभात, ज्योति कुमारी, राहुल कुमार, बिपुल कुमार, शौर्य कुमार, विकास कुमार, गुलफशाँ परवीन, सुधांशु कुमार और मोनिका नवीन आदि शामिल रहथि।
सभ रक्तदाताकें रक्तदान उपरांत प्रधानाचार्य अपना कर-कमलसँ प्रमाण पत्र आ डोनर कार्ड सहित उपहार प्रदान कयलनि।
राष्ट्रीय सेवा योजना केर कार्यक्रम पदाधिकारी डा सत्येन्द्र कुमार झा केर कुशल निर्देशनमे रक्तदान शिविर सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल। मौका पर महाविद्यालयक शिक्षक, शिक्षकेत्तर कर्मचारी आ छात्र-छात्रा लोकनिक सकारात्मक उपस्थिति रहल।