दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल नव आबकारी नीति मामिलामे न्यायिक हिरासतमे छथि। जमानत लेल उच्च न्यायालयक दरवाजा खटखटेलनि, मुदा केजरीवालकेँ कोनो राहत नहि भेटल अछि। एकर बाद बुधदिन दिल्लीमे भाजपा कार्यकर्ता केजरीवालक इस्तीफाक माँग करैत जोर-शोरसँ विरोध प्रदर्शन कयलनि।
दिल्ली भाजपा प्रमुख वीरेन्द्र सचदेवाक नेतृत्वमे पार्टी कार्यकर्ता केजरीवालक इस्तीफाक माँग कयलनि। कार्यकर्ता लोकनि कहलनि जे जाबत धरि केजरीवाल इस्तीफा नहि देत ताबत धरि विरोध प्रदर्शन जारी रहत।
एम्हर पूर्व केन्द्रीय मंत्री हर्षवर्धन कहलनि, “ई आश्चर्यजनक अछि जे दिल्लीक भ्रष्ट मुख्यमंत्री जेल चलि गेल छथि, मुदा एखनो इस्तीफा नहिं दऽ रहल छथि।” दिल्लीमे शराब घोटाला कोना भेल आ आइ भाजपा कार्यकर्ता केजरीवालक गिरफ्तारीक माँग करैत सड़क पर छथि। आब दिल्ली उच्च न्यायालय सेहो साफ कहलक अछि जे केजरीवाल भ्रष्ट छथि, मुदा तखनो केजरीवाल इस्तीफा नहिं दऽ रहल छथि। आब दिल्लीक सीएमकेँ इस्तीफा दऽ देबाक चाही।”
२१ मार्चकेँ ईडी नव आबकारी नीति मामिलामे सीएम केजरीवालकेँ गिरफ्तार कयलक।
एम्हर आम आदमी पार्टी स्पष्ट रूपसँ कहैत अछि जे केजरीवाल अपन पदसँ इस्तीफा नहिं देताह, ओ जेलेसँ सरकार चलेताह।