कांग्रेस नेता राहुल गांधी मंगल दिन कहलनि जे कांग्रेस महिला, युवा, किसान आ गरीबकेँ ओतेक बेसी पैसा देत, जतेक भाजपा अपन “अरबपति मित्र”केँ देलक।
ओ कहलनि जे झारखण्डमे गठबंधन महिलाक आवश्यकताकेँ पूरा करबाक लेल मानदेय बढ़ाकऽ २५०० रुपया करबाक निर्णय लेलक अछि।
गांधीक टिप्पणी १३ नवम्बरकेँ झारखण्डमे विधानसभा चुनावक पहिल चरणक चुनावसँ एक दिन पहिने आयल अछि।
एक्स पर हिन्दीमे लिखल पोस्टमे राहुल गांधी कहलनि, “काल्हि झारखंडमे माता-बहिनक खातामे मैया सम्मान योजनाक चारिम किस्त जमा कयल गेल। ई योजना विशेष रूपसँ महिलासभकेँ मुद्रास्फीतिसँ लड़बामे आ आत्मसम्मानक सङ्ग जीयबामे सहायता कऽ रहल अछि। ताहि लेल हम एहि योजनाक तहत देल गेल राशिमे बढ़ोत्तरी करबाक निर्णय लेलहुं।”
कांग्रेस नेता कहलनि जे दिसम्बर २०२४ सँ झारखण्डक महिलासभकेँ एहि योजनाक अन्तर्गत २५०० रुपैयाक मानदेय देल जायत, जाहिसँ राज्यक ५३ लाख महिलाकेँ लाभ भेटत।
राहुल गांधी कहलनि, “हम ई पहिने कहि चुकल छी आ दोहराबैत छी – इंडिया गठबन्धन अपन महिला, युवा, किसान आ गरीबकेँ ओकर जरूरतकेँ पूरा करबाक लेल ओहिसँ बेसी धन देत, जे भाजपा अपन अरबपति मित्रसभकेँ देलक अछि।”
कांग्रेस-झारखंड मुक्ति मोर्चा गठबंधन ८१ सदस्यीय झारखंड विधानसभामे सत्ता बरकरार रखबाक प्रयास कऽ रहल अछि जखन कि भाजपा १३ नवम्बर आ २० नवम्बरकेँ होबयवला दू चरणक चुनावमे सत्तारूढ़ गठबन्धनकेँ उखाड़बाक प्रयास कऽ रहल अछि। परिणामक घोषणा २३ नवंबरकेँ होएत।