राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केर नेता आ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री लालू यादव द्वारा केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाहक संबंधमे देल गेल बयान राज्यक राजनीतिक परिदृश्यकेँ भड़का देलक अछि। भाजपा आ जदयू केर नेता राजद नेता लालू यादव पर जोरदार राजनीतिक हमला कयलनि अछि। बिहारक उपमुख्यमंत्री विजय कुमार सिन्हा लालू यादवक बयानक जवाब दैत कहलनि जे लालू यादव मात्र शारीरिक रूपसँ कमजोर छलथिये, आब मानसिक रूपसँ सेहो कमजोर भऽ गेल छथि। लालू यादवकेँ पता नहिं अछि जे ओ कांग्रेसक कोरामे बैसि देशकेँ आतंकवादीक हाथमे सौंपि देने छलथि, मुदा ई उहे गृह मंत्री अमित शाह छथि जे भारतकेँ आतंकवादी आ चरमपंथीसँ मुक्त कयलनि अछि। ई उहे गृहमंत्री छथि जे कश्मीरसँ कन्याकुमारी धरि एकजुट भारतक निर्माण कऽ रहल छथि। ओ कहलनि जे लालू यादव सन लोक देशकेँ कमजोर करैत छथि। चाहे लालू यादव हो वा अरविन्द केजरीवाल, ओ सभ कांग्रेसक चरित्रक स्वरूपमे वातावरण केर प्रदूषित करबाक काज कऽ रहल छथि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बाबा साहेबकेँ मात्र सम्माने नहि कयलनि अपितु हुनक पाँचटा तीर्थ सेहो बनौलनि।
बिहारक मंत्री बिजेन्द्र प्रसाद यादव लालू यादवक बयानक खिल्ली उड़ाबैत कहलनि कि जे जेहने ‘समझदार’ रहताह ओ तेहने बजताह।
एम्हर बिहारक उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे लालू यादव राजनीतिक रूपसँ चोर साबित भेल छथि, एहेन लोक केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाहकेँ की कहत ? लालू यादव चोर छथि जे बिहारक खजानासँ चोरी कऽ बिहारक गरीबक धन लूटि लेने छथि। ई पंजीकृत अपराधी आब देशक गृहमंत्रीक अपमान कऽ रहल छथि। एहेन राज्य जतय लालू यादव सन अपराधी रहैत अछि ओ कहियो नहि बढ़ि सकैत अछि। ई दुर्भाग्यपूर्ण अछि जे बिहारक जनताकेँ लालू सन राजनेताकेँ सहन करय पड़ि रहल छैक।
ओ कहलनि जे लालू यादव अपनाकेँ बीमार देखा जेलसँ बाहर आयल छथि आ बाहर भेलाक बाद ओ राजनीति करय लागल छथि आ लोककेँ अपमान कऽ रहल छथि। ओ बिहारक राजनीति पर धब्बा छथि। भीमराव अम्बेडकरक सपना जँ कियो पूरा कयलक अछि तँ ओ छथि प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी। लालू यादव १९९० मे कहैत छलाह जे रानीक पेटसँ राजाक जन्म नहि होयत, मुदा ओ पहिने रानी आ फेर राजकुमार अनलनि, ओकर बाद राजकुमारी अनलनि। आब लालू यादव अगिला केकरा अनताह ? लालू यादव बिहारमे लोकतंत्रक हत्यारा छथि।