भाजपा रविदिन अरुणाचल प्रदेशक 60 विधानसभा सीटमेसँ 46 बहुमतक आंकड़ा प्राप्त कयलक, एम्हर सिक्किम क्रांतिकारी मोर्चा सिक्किममे दोसर कार्यकालक लेल 31 सीट संग सत्तामे आबि गेल। अरुणाचल प्रदेशक 60 विधानसभा सीट आ सिक्किमक 32 विधानसभा सीटक लेल सेहो 19 अप्रैलकेँ लोकसभा चुनाव संग मतदान भेल छल।
अरुणाचल प्रदेशमे सत्तारूढ़ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) केँ सत्ता प्राप्त भेल। भाजपा राज्यक 60 सीटमेसँ 10 सीटपर निर्विरोध जीत हासिल कयलक। भाजपा राज्यक 46 सीट संग जीत हासिल कयलक। मुख्यमंत्री पेमा खांडू आ उपमुख्यमंत्री चौना मेन पहिनेसँ अपन-अपन सीट जीत चुकल छलथि।
अरुणाचल प्रदेशमे विधानसभा चुनाव 2024 मे 82.95 प्रतिशत मतदान भेल। विधानसभा चुनाव 2019 मे ई 82.17 प्रतिशत छल।
सिक्किम विधानसभा चुनावक वोटक गिनती रविदिन समाप्त भेल। निर्वाचन आयोगक आंकड़ाक अनुसार, सिक्किम क्रांतिकारी मोर्चा एक बेर फेर प्रचंड बहुमत प्राप्त कयलक। राज्यमे एसकेएम 31 सीट जीत फेरसँ सत्तामे आबि गेल। 32 सदस्यीय विधानसभामे एकमात्र विपक्षी विधायक एसडीएफ केर तेनजिंग नोरबू जीतलथि ।
2019 विधानसभा चुनावमे एसकेएम17 सीट जीतल छल, जखन कि एसडीएफ15 सीट जीतल छल। सिक्किम विधानसभा चुनाव 2024 मे 79.88 प्रतिशत मतदान कयलक। विधानसभा चुनाव 2019 मे ई 81.43 प्रतिशत छल।