बिहार राज्य स्वास्थ्य समितिक निर्देश पर सभ अस्पतालमे मरीज सभकेँ दवाई उपलब्ध करेबाक लेल नव व्यवस्थाक शुरुआत कयल गेल अछि। नव व्यवस्थाक तहत मरीज सभकेँ आब लिफाफामे बंद दवाई उपलब्ध कराओल जायत।
अनुमंडल अस्पताल बेनीपुरक अस्पताल प्रबंधक राहुल सिंह बतेलनि जे सरकारक निर्देशानुसार एखनहिसँ एहेन नव व्यवस्था शुरू कयल गेल अछि जाहिमे चिकित्सक द्वारा लिखित दवाई सभकेँ आब लिफाफामे बंद कय, दवाई केर सही खुराक आ समय केर जानकारी मरीज सभकेँ लिखित रूपमे देल जायत। ओहिसँ मरीज सभकेँ दवाई केर सेवनमें कोनो दोसराक आवश्यकता प्रायः नहि पड़तन्हि आ ओ लिफाफा पर लिखल खुराक आ समयानुसार दवाइ केर सेवन करताह। ई एकटा नव पहल अछि। एहिसँ आमलोक लाभान्वित हेताह।
एहि कार्यक्रमक शुभारम्भ अनुमंडल अस्पतालक प्रभारी उपाधीक्षक डॉक्टर कुमारी भारती कयलन्हि। एहि अवसर पर प्रबंधक राहुल सिंह आ दवाई भंडारपाल धनंजय कुमार आदि उपस्थित छलाह।