कृषि

बिहार सरकार किसानक कल्याणक लेल प्रतिबद्ध : नीतीश कुमार

पटना
*

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शनिदिन कहलनि जे हुनकर सरकार किसानक कल्याण लेल प्रतिबद्ध अछि। कुमार दावा कयलनि जे हुनक सरकार कृषिक सम्पूर्ण क्षेत्रकेँ ध्यानमे राखि किसानक लाभक लेल राज्यमे विभिन्न योजना लागू कऽ रहल अछि। ओ कहलनि जे २००५ मे सत्तामे अयलाक बाद हुनकर सरकार किसानक कल्याणक लेल कतेको पहल कयलक।

गांधी मैदानमे चारि दिवसीय कृषि प्रदर्शनी ‘एग्रो बिहार 2024’ केर उद्घाटनक बाद कुमार संवाददाता सबसँ कहलनि, “नवंबर २००५ मे सत्तामे अयलाक बाद हम कृषि क्षेत्रक विकास आ किसानक लाभक लेल कतेको पहल आ योजना शुरू कयलहुँ। हमर सरकार किसानक कल्याण लेल प्रतिबद्ध अछि। राज्य सरकार राज्यमे किसानक लाभक लेल सम्पूर्ण कृषि क्षेत्रक उन्नयनक लेल विभिन्न योजना लागू कऽ रहल अछि।”

ओ आगू कहलनि “हम सभ २००८ मे राज्यमे कृषि विकासक लेल मसौदा प्रस्तुत कयलहुँ जाहिसँ राज्यमे फसिल, फल आ तरकारीक उत्पादन आ उत्पादकता बढ़ल।राज्यमे कृषि क्षेत्रमे महिलाक भागीदारी बढ़ेबाक लेल सेहो हम कतेको कदम उठौने छी। आ परिणाम बहुत सकारात्मक अछि।”

मुख्यमंत्री कहलनि जे किसानसभकेँ खेतीक आधुनिक उपकरण, उच्च गुणवत्तावला बीया भेटि रहल अछि आ सरकार द्वारा शुरू कयल गेल कतेको आन योजनाक लाभ भेटि रहल अछि। ओ कहलनि जे एहेन प्रदर्शनीक आयोजन सेहो सरकारक एकटा पहल अछि, जतय किसान कृषि क्षेत्रमे नवीनतम तकनीकक उपयोगक विषयमे अद्यतन जानकारी प्राप्त कऽ सकैत छथि।

कुमार राज्यक कृषि मंत्री मंगल पाण्डेय आ वरिष्ठ अधिकारीसभक सङ्ग प्रदर्शनीमे विभिन्न स्टॉलक सेहो अवलोकन कयलनि। मुख्यमंत्री कार्यालय द्वारा जारी एकटा विज्ञप्तिक अनुसार, “प्रदर्शनीमे कृषि क्षेत्रसँ जुड़ल १२५ सँ बेसी स्टॉल लगाओल गेल अछि। एहि प्रदर्शनीमे बिहारक अतिरिक्त दिल्ली, हरियाणा, गुजरात, छत्तीसगढ़, तमिलनाडु, महाराष्ट्र, पंजाब, उत्तर प्रदेश, आंध्र प्रदेश, पश्चिम बंगाल सन अन्य राज्यक कृषि क्षेत्रमे प्रयुक्त उपकरणक निर्माता सेहो भाग लऽ रहल छथि। बिहारक संग-संग आन राज्यसँ सेहो कृषि क्षेत्रसँ जुड़ल वैज्ञानिक, कृषि विशेषज्ञ आ उद्यमी एहि प्रदर्शनीमे भाग लऽ रहल छथि।”

विज्ञप्तिक अनुसार राज्यक सभ जिलासँ ४५०० किसानक लेल सरकारी खर्चपर मेलामे अयबाक व्यवस्था सेहो कयल गेल अछि।
प्रदर्शनीक दौरान किसानकेँ ‘किसान पाठशाला’मे प्रशिक्षित सेहो कयल जायत जतय हुनका नवीनतम कृषि मशीनरी, फसल अवशेष प्रबंधन उपकरण आ अन्य सामग्रीक बारेमे जानकारी भेटत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *