शिक्षा

बिहार बोर्ड परीक्षा २०२५ केर कक्षा १० एवं कक्षा १२ केर डेटशीट जारी

पटना
*

बिहार स्कूल परीक्षा बोर्ड (बीएसईबी) कक्षा १०म आ कक्षा १२म बोर्ड परीक्षाक डेटशीट जारी कऽ देलक अछि। उम्मीदवार एकरा आधिकारिक साइट पर देख सकैत छथि।
बिहार स्कूल परीक्षा बोर्ड (बीएसईबी) वर्ष २०२५ केर जारी कार्यक्रमक अनुसार, कक्षा १२क बोर्ड परीक्षा १ फरवरी, २०२५ सँ शुरू होयत आ १५ फरवरी, २०२५ धरि चलत। ओतहि दसवीं केर परीक्षा १७ फरवरीसँ २५ फरवरी २०२५ तक होएत।

दुनू कक्षाक परीक्षा दू पालीमे आयोजित कयल जायत। पहिल पाली भोर ९:३० बजेसँ १२:४५ बजे धरि आ दोसर पाली २:०० बजेसँ ५:१५ बजे धरि होयत। छात्र बेसी जानकारीक लेल बिहार बोर्डक आधिकारिक वेबसाइट पर जा सकैत छथि।

बोर्डक अध्यक्ष आनन्द किशोर पटनामे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ई जानकारी देलनि।ओ कहलनि जे मैट्रिकक परीक्षा १७ फरवरीसँ २५ फरवरी २०२५ धरि होयत। ओतहि इंटरमीडिएट परीक्षा १ फरवरीसँ १५ फरवरी २०२५ धरि चलत।

एहि बेर टॉपर्सक इनाममे पैघ बदलाव भेल अछि। आनंद किशोर कहलनि कि जे छात्र पहिल स्थान पर आओत हुनका आब एक लाखक बदला २ लाख रुपया, लैपटॉप आ ई-किंडल देल जायत। दोसर पुरस्कार विजेताकेँ डेढ़ लाख रुपया आ तेसर पुरस्कार विजेताकेँ एक लाख टाका देल जायत। एकर अलावा इंटरमीडिएटमे चारिम आ पांचम स्थान पर रहनिहार छात्रकेँ ३०,००० रुपया, जखनि कि मैट्रिकक चौथा सँ दसम स्थान तकक छात्रकेँ २०,००० रुपयाक पुरस्कार राशि भेटत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *