धर्म-संस्कृति

“सझुआर गाममे सम्पन्न भेल साप्ताहिक श्रीमद्भागवत कथा ज्ञान यज्ञ”

दरभंगा समदिया
*

श्रीमद्भागवत ज्ञानयज्ञ कथा केर भव्य आयोजन दरभंगा जिलान्तर्गत सझुआर गाममे भव्यतापूर्वक सम्पन्न भेल। कथा व्यास आचार्य गुणानन्द चौधरी द्वारा कृष्ण चरित्रक सुमधुर ओ ज्ञानवर्धक गायन आयोजन स्थलके भक्तिमय बना देलक। कथा व्यास श्रीमद्भागवत कथाक वर्णन करैत कहलनि जे भगवानक चरित्र भौतिक जगतमे व्याप्त सांसारिक दुख-कष्ट निवारण हेतु अनुपम औषधि थिक। एहेन औषधिक पान कयलासँ आध्यात्मिक आनन्दक अनुभूति होएत अछि। सत्संग ओ औषधि थिक जाहिके पान कयलासँ जीवनमे सात्विक प्रचुरताक संग ज्ञानक प्रखर प्रकाश प्रकाशित होयत अछि।

ओ आगू कहलनि, महर्षि वेदव्यास द्वारा लिखित श्रीमद्भागवत ग्रंथ, आदिग्रंथ वेदक विस्तार थिक। महर्षि वेदव्यास द्वारा सत्रह पुराण तथा इतिहास ग्रन्थ महाभारत लिखलाक उपरांतहुँ मानसिक शांति नहि प्राप्त भेलनि। देवर्षि नारद महर्षिक मानसिक अशांति बुझि भगवानक लीला चरित्रक वर्णन करबाक उपदेश कयलनि। श्रीकृष्णक सम्पूर्ण लीलाक विलक्षण व्याख्यान करैत अठाहरम पुराणक रचना कयलनि। कलिकालमे प्राणीके आध्यात्मिक कल्याणक लेल श्रीमद्भागवत महापुराणक श्रवण करब एकमात्र सुगम मार्ग अछि। जे कोनो व्यक्ति श्रीमद्भागवत महापुराणक श्रवण करैत छथि वा कराबैत छथि हुनका सात जन्मक पुण्यक प्राप्ति होएत छन्हि।

ओ कहलनि, कथा श्रवण कयला पर पुण्य तथा भाग्यक भाग्योदय होएत अछि। अनेकों जन्मक संचित पुण्यक प्रभावक कारणें प्राणीकें सत्संगक लाभ प्राप्त होएत अछि। कथा श्रवण करबाक सार्थकता तखनहिं फलीभूत होएत अछि जखन प्राणी सत्संग द्वारा प्राप्त ज्ञानकें जीवन तथा व्यवहारमे अक्षरश: पालन करथि। मनक शुद्धि तथा चित्त विकारमुक्त बना सकथि।

कथा यजमान आनन्द ठाकुर सपरिवार, कुटुम्ब-परिजन तथा ग्रामीण समाजक संग अत्यन्त भक्तिभावपूर्वक कथा श्रवण कय परम आध्यात्मिक लाभ प्राप्त कयलनि। रामकुमार राय ‘ठक्को’ अपन भजन-मंडलीक संग कथाक सातों दिन रात्रिमे कथा विश्रामक उपरांत भजन गायन कय वातावरणके मधुरमय बनेबामे अहम योगदान देलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *