जनसरोकार

आकाशवाणी दरभंगा केर केंद्र द्वारा बंद करबाक निर्णयक विरुद्ध भेल धरना प्रदर्शन

दरभंगा समदिया
*

प्रसार भारती द्वारा जारी फरमानक आलोकमे आकाशवाणी दरभंगा केर बंद कऽ एकरा मात्र रिले केंद्र केर रूपमे क्रियान्वित कयल जयबाक निर्णयक विरोधमे विद्यापति सेवा संस्थान पूर्व निर्धारित कार्यक्रम अनुसार शुक्रदिन आकाशवाणी दरभंगाक मुख्य द्वारकेँ बाधित कऽ शांतिपूर्ण धरना प्रदर्शन कयलक। संस्थानक एहि कार्यक्रम केर समर्थनमे आबि अखिल भारतीय मिथिला संघ, सखी बहिनपा मैथिलानी संगठन, मिथिला समाज रहिका आ मिथिला लोक संस्कृति मंच धरना प्रदर्शन केर मजबूती प्रदान करैत एकजुटताक जबरदस्त प्रदर्शन कयलक।

विद्यापति सेवा संस्थानक कार्यकारी अध्यक्ष डॉ बुचरू पासवान केर अध्यक्षतामे आयोजित धरना प्रदर्शनमे संस्थानक महासचिव ओ मिथिला-मैथिली आंदोलनक शीर्षास्थ स्तंभ डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे वर्ष 1976 मे आकाशवाणी दरभंगा केंद्र केर स्थापना मैथिली भाषाक विकास ओ मिथिलाक गौरवशाली संस्कृति केर संरक्षण एवं संवर्धनक संग एहि क्षेत्रमे रोजगार सृजनक अवसर तकैत कयल गेल छल। प्रसार भारतीक तानाशाही फरमानकें सिरेसँ खारिज करैत ओ कहलनि जे आकाशवाणी दरभंगा केंद्रकेँ मैथिली भाषाक स्वतंत्र केंद्र स्थापित करबा लेल मिथिलाक साढे आठ करोड़ लोकक संग लऽ सड़कसँ संसद धरि लड़ाई लड़ल जायत। डॉ बैजू एहि मसला पर मिथिलाक जन प्रतिनिधि लोकनिसँ मातृभूमि आ मातृभाषा केर प्रति संवेदनशीलताक परिचय दैत आगाँ अयबाक आह्वान कयलनि।

अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विनय कुमार झा संतोष कहलनि जे केंद्र सरकार एक दिसि जतय संविधानकेँ मैथिलीमे अनूदित कऽ अपन सदाशयता प्रदर्शित कयलनि अछि ओतहि मिथिलाक हृदय स्थलीमे स्थापित आकाशवाणी केंद्रकेँ बंद कयल जयबाक साजिश समझसँ परे अछि। मिथिला लोक संस्कृति मंचक महासचिव प्रो उदय शंकर मिश्र कहलनि जे आकाशवाणी दरभंगाकेँ बंद करबाक निर्णय घोर निंदाक विषय अछि। एकरा विरुद्ध जोरदार आंदोलन कयल जायत।

सखी बहिनपा मैथिलानी संगठनक अध्यक्ष आरती झा कहलनि जे सरकारक एहि तानाशाही निर्णयक खिलाफ मिथिला आ मिथिलाक बाहर रहनिहारि मिथिलाक बेटी देशव्यापी आंदोलन करतीह।
मिथिला समाज रहिकाक शीतलांबर झा कहलनि जे जतय मैथिली भाषाकेँ शास्त्रीय भाषाक दर्जा देल जयबाक कवायद चलि रहल अछि, एहेन समयमे एहि तरहक अटकलबाजी केंद्र सरकारक कथनी आ करनीमे फर्ककेँ दर्शाबैत अछि। मौका पर मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा कहलनि जे जाहि आकाशवाणी केंद्रसँ प्रधानमंत्री केर मन की बात कार्यक्रमक प्रसारण विशेष रूपसँ मैथिलीमे कयल जाइत होय, ओकरा बंद करबाक कवायद दूरदर्शिता केर घोर अभावक परिचायक अछि।

धरना प्रदर्शनक उपरांत डॉ बुचरू पासवानक नेतृत्वमे एकटा शिष्टमंडल आकाशवाणी केंद्र दरभंगाकेँ साढ़े आठ करोड़ मैथिली भाषी लोकक भावनाक सम्मान करैत एकरा मैथिली भाषाक स्वतंत्र केंद्रक रूपमे स्थापित करबा संबंधी ज्ञापन सहायक केंद्र निदेशक के एन झाकेँ सौंपलनि। एहि शिष्टमंडलमे डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू, विनय कुमार झा संतोष, प्रो उदय शंकर मिश्र, आरती झा आ विद्यापति सेवा संस्थानक मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा शामिल छलाह।

धरना प्रदर्शनमे शैलेंद्र कुमार कश्यप, रोशन झा, प्रो विजय कांत झा, विनोद कुमार झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढ़ा भाई, रामनाथ पंजियार, प्रतिभा स्मृति, लक्ष्मी सिंह ठाकुर, हरिकिशोर चौधरी, प्रो राजकिशोर झा, राजीव चौधरी, पंकज कुमार, महेश झा, चंद्र मोहन झा पड़वा, शिव शंकर झा, राजेश सिंह ठाकुर, श्याम राम, उदयकांत मिश्र, शुभानंद कुमर, दुर्गानंद झा, डॉ राम सुभग चौधरी आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *