धर्म-संस्कृति

सखी बहिनपा द्वारा मुंबईमे संपन्न भेल, अंतर्राष्ट्रीय मिथिला सांस्कृतिक सम्मलेन

मीरा – मुंबई
*

रविदिन दिनांक 15.12.2024 मीरा स्थित भारत रत्न लता मंगेशकर सभागारमे, सखी बहिनपा समूह द्वारा, अंतर्राष्ट्रीय मिथिला सांस्कृतिक सम्मलेनक आयोजन सफलतापूर्वक संपन्न भेल। देश – विदेशसँ आयल मैथिलानी समूहक संग – संग स्थानीय सखी सभक सहयोगसँ ई कार्यक्रम सौहार्दपूर्ण वातावरणमे संपन्न भेल। एहि कार्यक्रममे मुम्बई आ आसपासक तमाम मैथिलसेवी संस्थाकेँ सेहो आमंत्रित कएल गेल छल, जाहिमे विपुल संख्यामे मैथिल उपस्थित सेहो छलथि।

कार्यक्रमक शुरुआत दीप प्रज्वलनक संग भेल, तदुपरांत स्वागत भाषण, तत्पश्चात सखी बहिनपाक विभिन्न क्षेत्रसँ आयल समूह द्वारा नाट्यमंचन, गीत संगीत, एवं नृत्य प्रस्तुत कएल गेल। समारोहके दौरान बीच – बीचमे अतिथि सत्कार सेहो होइत रहल, संगहि प्रमुख आयोजक मनोरमा झा द्वारा संचालित ट्रस्ट – शुभसीता फॉउंडेशनक कैलेंडर एवं हिंदी विवेक पत्रिका (मिथिला विशेषांक) केर विमोचन सेहो संपन्न भेल। लोक गीत एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम लेल प्रसिद्ध कलाकार मनोरंजन झा अप्पन समूहक संग उपस्थित छलथि।

ओना त’ एहि कार्यक्रममे हर क्षेत्रक लोक उपस्थित छलथि, मुदा फिल्म आ टीवी अभिनेता गुरमीत चौधरी विशेष रूपसँ एहि कार्यक्रममे शामिल भेलथि जे तमाम सखी – बहिनपाक उत्साहवर्द्धन लेल सहायक सिद्ध भेल। सभागारमे उपस्थित तमाम मैथिल द्वारा एहि सुन्नर सन कार्यक्रम लेल सखी बहिनपा समूहक प्रमुख आरती झा एवं हुनक टीमक प्रसंसा कएल गेल। किएक त’ नारी उत्थानक गप्प होय वा महिला वर्गक विकासक विषय होय, एहि तमाम विषय पर चिंतन आ कार्य, पुरुषे द्वारा होइत रहल अछि। मुदा “सखी बहिनपा” एहि संगठनमे महिलाक गप्प अथवा महिला वर्गक नीक बेजाए सोचबाक आ करबाक दायित्व महिले पर छैन्ह। नारी समाजके भले विश्व भरिमे दोसर दर्जा गेल होय, मुदा मिथिला शक्तिक उपासक रहल अछि। अदौकालसँ मिथिला क्षेत्रमे नारी जातिकेँ देवीक दर्जा देल जाइत रहल अछि।

ओना आब महिला वर्गकेँ तमाम तरहक संवैधानिक अधिकार सेहो प्राप्त भेल छैक त’ स्त्री सेहो आब देशक विकासमे अप्पन भागीदारी सुनिश्चित क’ रहल छथि। हर क्षेत्रमे आब महिला वर्गक भागीदारी बढ़ल अछि जे, सुखद संकेत अछि। जनतब दी जे, ‘सखी बहिनपा’ मैथिलानी समूहक जन्म सन् 2015 मे फेसबुककेँ माध्यमसँ कएल गेल। समय के संग ई समूह देश – दुनियामे चर्चित भेल आ संस्थाक कार्यशैलीसँ प्रभावित भ’ देश – विदेशसँ मैथिलानी सभ जुड़ैत गेलीह। आई एहि समूहक सदस्य, विश्व भरिमे पसरल अछि। ओना त’ एहि साफल आयोजन लेल सभक प्रयास महत्वपूर्ण अछि, मुदा स्थानीय सेवाधारीमे मनोरमा झा, डॉ श्वेता झा, ममता झा, सरिता झा, विनीता झा, आदिक प्रयास सराहनीय छल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *