राजनीति

भारत रत्न जननायक कर्पूरी ठाकुरक १0१म जयंती फुलपरासमे : चक्रपाणि

मधुबनी समदिया
*

बिहार राज्य बाल श्रमिक आयोगक पूर्व अध्यक्ष आओर राष्ट्रीय जनता दल झंझारपुरक संगठन प्रभारी डॉ. चक्रपाणि हिमांशु रविदिन मधुबनी परिसदनमे युवा राजद जिला अध्यक्ष रविरंजन कुमार राजाकेँ मार्फत बनाओल गेल। ओ जननायक कर्पूरी ठाकुर रथ केर हरियर झंडा देखाकऽ विदा कयलथि आ बादमे पत्रकार संग वार्ता कऽ जानकारी दैत कहलनि कि – “भारतरत्न कर्पूरी ठाकुरकेँ १0१म जयंती २४ जनवरी कऽ मधुबनी – जिलाक फुलपरास स्थित कृष्णा यादव इंटरस्तरीय उच्च पाठशाला सिसवाबरही परिसरमे मनाओल जायत ।समारोहक उद्घाटन नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव करताह। जयंतीमे राष्ट्रीय जनता दलक सब वर्तमान आ पूर्व सांसद, विधायक, एमएलसी, लोकसभा आ विधानसभाक पूर्व प्रत्याशी, सब प्रकोष्ठक प्रदेश पदाधिकारी, जिलाध्यक्ष, प्रधान महासचिव, प्रखंड अध्यक्ष आओर कार्यकर्ता शामिल हेताह।

प्रेसकेँ संबोधित करैत डॉ. चक्रपाणि हिमांशु कहलनि, “देश आ राज्यमे महंगाई आओर भ्रष्टाचार चरम पर अछि ।महंगाईक मारिसँ जनता त्रस्त अछि। देश निजीकरणक दौरसँ गुजरि रहल अछि। देशक सभ सरकारी संस्थान केर निजीकरण कऽ आरक्षणसँ वंचित कयल जा रहल अछि। संविधानक संग छेड़छाड़ कयल जा रहल अछि । बिहारकेँ विशेष राजक दर्जो नै मिलल। केंद्र सरकार हर साल दू करोड़ बेरोजगार युवककेँ नौकरी देबय केर वादा कयने छलाह मुदा नौकरी तऽ दूर कर्मचारियोकेँ छंटनी कयल जा रहल छै। बिहारमे घोटाला भऽ रहल छै। राज्य, जिला, प्रखंड स्तर पर विकास योजनामे लूट मचल छै। अपराधक ग्राफ बहुत रास बढि रहल अछि।”

झंझारपुर संगठन इकाईक सब चौदह प्रखंडमे प्रखंड प्रभारीक घोषणा कयल गेल अछि जेऽ अहि प्रकारसँ अछि। बाबूबरही रामाशीष पासवान, लदनियाँ अरूण सिंह कुशवाहा, खजौली – राजकुमार यादव, बासोपट्टी अरूण कुमार यादव, जयनगर भोगेन्द्र यादव, राजनगर मो. अंजार अहमद, अंधराठाढ़ी हरेराम राय, फुलपरास चुल्हाई कामत, मधेपुर बुद्धप्रकाश, घोघरडीहा वीणा देवी, खुटौना मिन्दु शहजादा, लौकही गुलाब कान्त यादव, झंझारपुर संजय यादव, आओर लखनौर प्रदीप प्रभाकरकेँ बनाओल गेल।

हुनका संग राजदक वरिष्ठ नेता राजकुमार यादव युवा जिला अध्यक्ष रविरंजन कुमार राजा, फ़ुलहसन अंसारी, रामानंद बैनेता, सुधीर यादव, अरुण कुमार चौधरी, समीर भिंडवाड़, श्रीनारायण महतो, मो. कासीम, कुंदन कुमार , धर्मेंद्र यादव, संगहि बहुत लोक मौजूद छलथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *