बरियातीमे आबयवला लोक खयलक जेलक हवा। मामिला मुजफ्फरपुरसँ सामने आबि रहल अछि। दरअसल, किछु एहेन भेल जे मुजफ्फरपुरमे एकटा बरियाती आयल छल। विवाह स्थल पर पहुँचबासँ पहिने बरियातीमे उपस्थित अधिकांश लोक खूब पीबैत जाय गेलाह आ बादमे नागिन डांस करैत विवाह स्थल धरि पहुँचबाक योजना बनौलनि।
मुदा, एहिसँ पहिने जे ओ एना कऽ सकथि, ओहि स्थान पर पुलिसक छापा मारल गेल जतय बरियाती रुकल छल।
पुलिसकेँ सूचना भेटल छल जे विवाहक बरातमे कतेको शराब व्यापारी सेहो आबि रहल अछि। इहो खबरि आयल छल जे एहि विवाह समारोहमे शराब सेहो परोसल जेबाक अछि। एहेनमे जखनि पुलिस छापा मारलक तखनि बरियातीक संग-संग कतेको शराब व्यापारी सेहो घटनास्थलसँ नशाक स्थितिमे पाओल गेलाह। बादमे पुलिस ४० टा बरियातीकेँ गिरफ्तार कयलक।
आबकारी निरीक्षक शिवेन्द्र झा कहलनि जे ई छापा एकटा अभियानक हिस्सा छल जाहि अन्तर्गत अवैध शराबक व्यापार करयवलापर कारवाई करबाक हरसंभव प्रयास कयल जा रहल अछि। बिहारक अलग-अलग जिलामे पुलिस समय-समय पर एहेन अभियान चलबैत रहैत अछि।
सूत्रसँ भेटल सूचनाक बाद पुलिस एहि बरात पर नजरि रखबाक लेल अपन कतेको पुलिसकर्मीकेँ सादा कपड़ामे सेहो तैनात कयने छल। ई पुलिसकर्मी शराब व्यापारी पर नजरि राखि रहल छल। जखनि विवाहमे शराब परोसल जयबाक सूचनाक पुष्टि भेल तखनि ई पुलिसकर्मी अपन वरिष्ठकेँ एकर जानकारी देने छल। सूचनाक पुष्टि भेलाक बाद पुलिस टीम छापा मारलक।