बांका जिलाक अमरपुरमे जहरीला मशरूम खयलाक बाद तीन परिवारक एक दर्जनसँ बेसी लोकक स्वास्थ्य बिगड़ि गेल। ई घटना रविदिन देर साँझ थाना क्षेत्रक गलीमपुर गाममे भेल। जतय तीन परिवारक १४ गोटे जहरीला मशरूम खयलाक बाद गम्भीर रूपसँ बीमार भऽ गेलाह। सभ गोटेकेँ इलाजक लेल देर राति रेफरल अस्पताल लऽ जायल गेल। वर्तमानमे सभ लोक खतरासँ बाहर अछि।
मशरूम खयलाक बाद गलीमपुर गामक १४ गोटेक स्वास्थ्य बिगड़ि गेल। बीमारक पहिचान अर्चना देवी पति रघुनंदन मंडल, निशा कुमारी पिता सुभाष मंडल (14 वर्ष), कोमल कुमारी पिता सुभाष मंडल (12 वर्ष), अजीत कुमार पिता सुभाष मंडल (चार वर्ष), सुधा देवी पति सुभाष मंडल, सत्यम मंडल पिता सुभाष मंडल (तीन वर्ष), जूली कुमारी पिता रघुनंदन मंडल (18 वर्ष), डेजी देवी पति सुबोध मंडल, कोमल कुमारी पिता सुबोध मंडल (11 वर्ष), मंजू देवी पति लखन मंडल, रघुनंदन मंडल पिता लखन मंडल,करूणा कुमारी पिता अशोक मंडल (18 वर्ष), सुभाष मंडल एवं बेबी देवी पति अशोक मंडलक नाम शामिल अछि। सभकेँ इलाज रेफरल अस्पतालमे भेल। जानकारीक अनुसार मशरूम खयलाक बाद बीमार पड़ल ई सभ लोक उल्टी आ दस्त करय लगलाह। जखन स्थिति गम्भीर देखायल तखन रविदिन राति लगभग दू बजे सभकेँ इलाजक लेल रेफरल अस्पताल लऽ जायल गेल। जतय डॉ. दिवाकर सिंह एहि सभकेँ प्राथमिक उपचार कयलनि। प्राथमिक चिकित्साक बाद सबहक स्थिति सामान्य अछि। गामक सुभाष मण्डल कहलनि जे पुआलक पुंजमे मशरूम उगल छल। ओही मशरूमसँ बनल तरकारी खयलाक बाद सभगोटे उल्टीक शिकायत कयलनि। रेफरल अस्पतालमे प्राथमिक उपचारक बाद सबहक स्थिति चिन्तासँ बाहर अछि।