सुप्रीम कोर्टक बाद आब उत्तराखंड सरकार पतंजलि योगपीठ आ बाबा रामदेवक समस्या बढ़ा देलक अछि।
उत्तराखंड औषधि लाइसेंसिंग प्राधिकरण द्वारा जारी आदेशक अनुसार, पतंजलिक १० दिव्य फार्मेसी उत्पादक विनिर्माण लाइसेंस निलंबित कऽ देल गेल अछि।
ड्रग्स एंड मैजिक रेमेडीज (आपत्तिजनक विज्ञापन) अधिनियम आ ड्रग्स एंड कॉस्मेटिक एक्टक उल्लंघनमे फर्म द्वारा एहि उत्पाद सभक भ्रामक विज्ञापनक शिकायतक संज्ञान लैत एहि मासक आरम्भमे ई आदेश जारी कयल गेल छल।
प्राधिकरण अपन आदेशमे कहलक जे कंपनी उत्पादक संबंधमे ओकरासँ मांगल गेल जानकारी नहिं देलक आ अपन बचावमे देल गेल स्पष्टीकरण संतोषजनक नहिं छल।