अपराध अयोध्या पुलिस भागलपुरसँ आतंकी कनेक्शनमे लिप्त राम मंदिरकेँ बमसँ उड़ाबय केर धमकी देबयवाला मकसूदकेँ पकड़लक September 15, 2024 Maithil Punarjagran Prakash भागलपुर * मोहम्मद मकसूद नामक एकटा व्यक्ति अयोध्यामे राम मन्दिरकेँ उड़ा देबाक धमकी देलक। एहि मामिलामे कारवाई करैत यूपी पुलिस मकसूदकेँ मिथिला क्षेत्रीय बिहारक भागलपुरसँ गिरफ्तार कयलक अछि। मिथिला क्षेत्रीय बिहारक भागलपुरमे यूपी पुलिस अचानक छापा मारलक, अयोध्या पुलिस भागलपुरपरमे छापा मारैत मोहम्मद मकसूद नामक एकटा व्यक्तिकेँ गिरफ्तार कऽ अयोध्या लऽ गेल। ई मामिला राम मन्दिरकेँ बमसँ उड़ा देबाक धमकी देबासँ जुड़ल अछि। भागलपुरमे यूपी पुलिस बड़ी खंजरपुरक निवासी मोहम्मद मकसूदकेँ गिरफ्तार कयलक अछि। १४ जून, २०२४ केँ राम मंदिर उड़ाबय आ मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथकेँ मारय केर धमकी देबाक मामिलामे पुलिस गिरफ्तार कयलक, आ देर साँझ कागजी कारवाई पूरा कए यूपी लऽ गेल। मोहम्मद मकसूद अपन बहिनक सासुरसँ आबि रहल छल तखनि भागलपुरक गुरहट्टा चौकसँ पुलिस मोबाइल नंबरक ट्रेसक आधार पर पता लगा कऽ उठा लेलक। किछु दिनसँ पुलिस ओकर घर पहुँचि मायसँ पूछताछ कऽ रहल छल, मुदा ओकर सुराग नहि भेटि रहल छल। मोहम्मद मकसूदक आतंकवादी संगठन ‘जैश-ए-मोहम्मद’ सँ सेहो जुड़ल होबय केर बात सामने आबि रहल अछि। पुलिस ओकरा लगसँ चारिटा मोबाइल फोन बरामद कयलक अछि। कहल जा रहल अछि जे राम मंदिरक धमकी देबाक सबूत भेटल अछि। मकसूदक माय कहलनि, “हम कैंसरसँ पीड़ित छी। जे बेटा हमर देखभाल करैत छल ओ एकदम निर्दोष अछि। पुलिस ओकरा जबरदस्ती उठा लेलक। किछु दिनसँ पुलिस घरमे आबि ओकर विषयमे पूछताछ करैत छल। तखनि हम अपन बेटाकेँ घर बजौलहुँ, मुदा एहि दौरान पुलिस ओकरा गुरहट्टे चौकसँ उठा लेलक। किछु दिनसँ ओकर फोन ओकर सार लग छल, मुदा ओ की कयलक आ की नहिं कयलकि से ज्ञात नहिं अछि। वर्तमानमे पुलिस मकसूदकेँ यूपी लऽ गेल अछि आ मामिलाक जाँच कयल जा रहल अछि। एहि मामिलामे भागलपुर पहुँचल यूपी पुलिसकेँ भागलपुर पुलिसक सहयोग भेटल। यूपी पुलिस स्थानीय पुलिसक संग मिलि छापा मारलक आ घटनाक जाँच कयलक। भागलपुर पुलिस एहि मामिलामे आगूक जाँच कऽ रहल अछि। घटनाक संबंधमे सिटी एसपी श्री राज बतेलनि कि अयोध्या पुलिस टीम आयल छल, थानाक सहयोग भेटल आ गिरफ्तारी कयल गेल एवं पुलिस ओकरा यूपी लऽ गेल। Spread the love