पटना
*
बिहारमे आगामी विधानसभा चुनावक संबंधमे राजनीति शुरू भऽ गेल अछि। ओतहि शनिदिन तेजस्वी यादव एनडीए सरकारक संग-संग प्रशांत किशोर पर सेहो हमला कयलनि।
राष्ट्रीय जनता दलक अल्पसंख्यक प्रकोष्ठक बैसारमे नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव शनिदिन भाजपा आ नीतीश कुमारक सङ्ग-सङ्ग प्रशांत किशोर पर सेहो निशाना साधलनि। ओ कहलखिन कि १७ महीनामे हम ५ लाख नौकरी देलहुँ। नीतीश कहैत छलाह जे नौकरी कतएसँ आओत ? अपन घरसँ देब की? जखन हम सरकार छोड़लहुं तखन नौकरी देब बंद भऽ गेल। हम जातिगत जनगणना कयलहुँ, आरक्षणक दायरा बढ़ा देलहुँ। हम १७ महीनामे जे काज कयलौंह से १७ सालमे एनडीए नहिं कयलक। बिहारमे पुल ढ़हि रहल अछि। के जिम्मेदार अछि ? केकरा पर कारवाई कएल जा रहल अछि ?
ओ प्रशांत किशोरक बारेमे आगू कहलखिन जे ओ पैसाक राजनीति कऽ रहल छथि। साफ नियत नहिं छनि। ओ सभ भाजपाक लेल काज कए रहल छथि। कोनो नीति नहिं अछि। ओ पाइ दऽ कए लोककेँ कीनि रहल छथि। तेजस्वी यादवक असली ताकत जनता अछि। सब लालू-तेजस्वीक खिलाफ अछि। हम सत्तामे आएब तऽ सबकेँ सम्मान भेटत।
विपक्षक नेता कहलखिन कि वक्फ बोर्डक बिल पर हम सब अपन सांसदसभसँ साफ कहलहुं जे ई विधेयक पारित नहिं हेबाक चाही। आइ ई विधेयक पारित नहिं भेल। विपक्ष मजबूत अछि से मोदीजी बुझि गेल छथि। पहिल बेर कोनो विधेयक जेपीसीमे गेल अछि। लालू सत्ताक लेल कहियो समझौता नहिं केलखिन। ईडी-सीबीआई अपन मालिकक इशारापर हमरा सभकेँ परेशान कऽ रहल अछि, मुदा हम झुकि नहिं जाएब। नीतीश कुमार हमरा धोखा देलखिन। जखन देशक अलग-अलग राज्यमे सरकार गिरायल जा रहल छल, तखन हमसभ नीतीशकेँ संग रखलौंह, मुदा ओ भाजपाक संग चलि गेलाह। २००५ धरि बिहारमे भाजपा कमजोर छल, मुदा २००५क बाद नीतीश कुमार भाजपा आ आरएसएसकेँ मजबूत कयलनि आ आइ दंगा होइत अछि। राजद नेता आगू कहलनि जे लालू साम्प्रदायिक ताकतक सामने कहियो नहिं झुकलनि। हम हुनक बेटा छी, आइ हम अहाँसँ वादा करैत छी, हमहूँ नहिं झुकब, हम लड़ब। २०२५ मे जँ अल्पसंख्यक हमरा सभकेँ आशीर्वाद दैत छथि तऽ हम सरकार बनायब। हम २०२५ मे सरकार बनाबए जा रहल छी। २०१९ मे राजदकेँ एको सीट नहिं भेटल, तइयो हम सब विधानसभामे सरकार बनबैत-बनबैत रहि गेलौंह। मुस्लिम समुदायकेँ आबयवला विधानसभामे पैघ संख्यामे अपन सहभागिता सुनिश्चित करबाक चाही। तेजस्वी अहाकेँ आबए वाला विधानसभामे उचित भागीदारी देत।